सबहक साथ सबहक विकास के नारा मात्र एकटा जुमला अछि – कीर्ति आज़ाद

    0
    736

    दरभंगा, मिथिला मिरर: भाजपा सं निलंबित सांसद कीर्ति आजाद प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी पर जमिकय निशाना साधला। अप्पन संसदीय क्षेत्र दरभंगा के बिरौल मे आयोजित कार्यकम्र मे सांसद कीर्ति आजाद कहलनि जे, भाजपा के नारा अछि- ‘सबहक साथ सबहक विकास’ मुदा सरकार मे किछु खास लोकक विकास छोड़ी किछु नहि भय रहल अछि।

    आजाद कहलनि जे हम सच्चाई सबहक सामने अनलहु, चोर के चोर कहलहुँ, ताहि दुआरे आय हम बागी बनल छी। ओ कहलनि जे, एकर हमरा कोनो पछताबा नहि अछि। जतय रहब सच्चाई, ईमानदारी आ लगन सं देशवासी के सेवा करब।