घर मे घुसि कय व्यवसायिक पुत्र के केलक अपहरण

    0
    263

    समस्तीपुर, मिथिल मिरर: बिहारक समस्तीपुर मे एकटा व्यवसायी पुत्र के अपराधी दिनहाड़े अगवा कय लेलक अछि। घटना जिलाक अंगार घाट थाना क्षेत्रक दढिया गामक अछि।

    जानकारी के अनुसार शुक्रदिन राति लगभग दसक संख्या मे आयल अपराधी व्यवसायी लालदेव साहक पुत्र मनोज शंकर के अपहरण कय लेलक। पीड़ित परिवारक अनुसार सब अपराधी कच्चा देबाल के तोडि कय घर मे दाखिल भेल छल आ घरक लोक के हथियारक दम पर बंधक बना लेलक।

    अहि के बाद अपराधी मनोजक अपहरण कय लेलक। व्यवसायी पुत्र मनोज शंकर के अपहरणक प्राथमिकी अंगार घाट थाना मे दर्ज कराओल गेल अछि। अपहरणक अहि वारदात के बाद स इलाका के लोक दहशत मे अछि। फिलहाल पुलिस मामलाक जाँच मे जुटल आ अपहृत के बरामदगी के लेल छापामारी कय रहल अछि।