उरी मे शहीद जवानक बेटीक विवाह मे मदद करबाक लेल आगू एलाह सांसद पप्पू यादव आ रंजीत रंजन

    0
    273

    दिल्ली, मिथिला मिरर: उरी आतंकी हमला मे शहीद जवानक बेटीक विवाह मे मदद करबाक लेल ‘जन अधिकार पार्टीक’ राष्ट्रीय अध्यक्ष आ मधेपुरा सं सांसद पप्पू यादव आ सुपौल सं कांग्रेस सांसद रंजीत रंजन आगू एलाह।

    सांसद पप्पू यादव कहलनि जे शहीदक बेटीक विवाह मे हम आ सुपौल सं सांसद रंजीत रंजन मिली कय मदद करबाक निर्णय लेलहू। जाहि के अन्तर्गत उरी मे शहीद भेल सैनिकक बेटीक विवाह मे पांच-पांच लाख रुपैयाक आर्थिक मदद करबाक निर्णय लेल गेल अछि। हम सब सदैव शहीदक परिवार के संपर्क मे रहब, आ जहिया कहियो शहीदक परिवार मे बेटीक विवाह होयत तहिया ई आर्थिक मदद पहुंचायल जायत।

    ज्ञात हो कि हालहि मे कश्मीर के उरी आतंकी हमला 18 गोट जवान शहीद भय गेल छलाह, जाहि के बाद सं भारत-पाकिस्तानक रिश्ता मे अधिक तनाव आयल अछि।