दरभंगा नगर निगम के हाल बेहाल, चारु दिस गंदगी’क भंडार

    0
    327

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा नगर निगम के हाल बेहाल अछि, नगर निगम परिसर के चारु दिस गंदगीक अम्बार लागल रहैत अछि। एहेन मे कहल जा सकैत अछहि जे, जहन नगर निगम नहि साफ़ रहि सकैया त शहर कोना साफ़ रहत?

    एहेन स्थिति मे स्थानीय लोकक कहब अछि जे, जहन समुच्चा शहरक सफाई’क जिम्मा नगर निगम के अछि आ एहेन मे परिसर के ई हाल अछि त शहर’क सफाई के उम्मीद लगेनाइ व्यर्थ अछि। जे अप्पन परिसर नहि साफ राखि सकैत अछि ओ शहरक सफाई कोना करत।

    अहि के कारण आय शहर मे चारु दिस गंदगी आ बदबु देखा रहल अछि। शहर मे नहि नालीक सफाई होइत अछि आ ने कचरा उठाओल जाइत अछि। जाहि सं शहर मे जलजमावक समस्या आम बात बनि गेल अछि।