दिल्लीमे मिथिला संस्कृतिक धूम, बरियातीमे आकर्षणक केन्द्र बनल रहल पाग

    0
    308

    दिल्ली,मिथिला मिरर-रजनीश कुमार झाः एकटा समय छलैक जखन मैथिलक विवाहमे दस-पांच टा बरियातीकें बहुत बेसी संख्या मानल जाइत छलैक। विद्वान लोकनिक बरियातीक ओहि टोलीमे धोति, कर्ता, डोपटा आ पाग एकरा परंपरागत संवाद आ मिथिलाक संस्कृतिकें झलकेवाक कार्य करैत छल। समयक संग हर किछुमे परिर्वतन होइत गेलैक आ बरियातीक स्वरूपमे सेहो बदलाव देखब सहज देखाना जाइत रहल।
    बरियातीक स्वरूप बदलल त हुनका लोकनिक आगत, भागत आ स्वागतक स्वरूपमे परिर्वतन सेहो सहजे देखल गेल। लोकक गाम सं पलायन होइत गेलैक आ शहर अवैत लोक अपन संस्कृतिकें बिसरि दोसराक अनुशरण करवामे लिप्त रहल मुदा जखन गाम सं दूर भारतक राजधानी दिल्लीमे कोनो विवाहमे मिथिलाक 6-7 दशक पुराण संस्कृतिक पुनरावृति होइ, तखन त इ बात अखबारक सुर्खी बनबे टा करत अहिमे कोनो शक नहि।
    शुक्रदिन पूर्वी दिल्लीक मदर डायरीक पाछा मे विवाह भवनमे आयोजित एकटा विवाह कार्यक्रमक दृश्य किछु अलौकिक बुझना जा रहल छल। मधुबनी जिलाक सिजौल निवासी अशोक कुमार झा केर पुत्रीक विवाहमे आएल समस्त बरियातीकें जखन पाग सम्मान घरवैया दिस सं देवाक बात कहल गेलनि त ओ सब आ बरियाती-सरियातीक समस्त व्यक्ति अपन आंगुर दांत सं कटवाक लेल विवश भए गेलाह।
    जखन बरियाती विवाह स्थल पर पहुंचलाह तखन सांस्कृतिक मंच सं मिथिलाक चर्चित गायक सह अभिनेता एवम् मिथिलालोक केर ब्रांडएम्बेसडर विकाश झा ‘मंगल मय दिन आजु हे, पाहुन छथि आएल’ गाबि हुनका लोकनिक स्वागत कैलनि। सांस्कृतिक मंच सं विकाश झा द्वारा एक केर बाद एक देल गेल मैथिली गीतक प्रस्तुति सं महौल त मैथिल मय भये चुकल छल, मुदा गंध, पुष्प सं स्वागतकें बाद जखन जखन ओहि सांस्कृतिक मंच सं मिथिला मिरर कें संपादक ललित नारायण झा समस्त बरियातीगण कें एक-एक मंच पर आबि ‘पाग सम्मान’ स्वीकार करवाक आग्रह कैलनि त सब बरियाती लोकनि एक दोसराक मुंह देखय लगलाह।
    सांस्कृतिक मंच पर मिथिलालोक फाउंडेशनक चेयरमैन आ जानल-मानल शिक्षाविद डाॅ. बीरबल झा समस्त बरियाती लोकनिकें पाग आ डोपटा दए सम्मानित करैत रहला। महौल पूर्ण रूपसं मैथिलमय आ रमणीय बनि गेल छल। एक-एक व्यक्तिक नामक उद्घोषणा मंच संचालक करैत रहला आ संपूर्ण बरियातीगण एका-एकी आबि डाॅ. बीरबल झा सं पाग सम्मान ग्रहण करैत रहलाह। पाग सम्मान पाबि बरियाती लोकनि एतेक प्रसन्न छलाह जेकरा शब्दमे वर्णित नहि कैल जा सकैछ।
    बरियातीमे आएल महिला लोकनि सेहो पाग सम्मान स्वीकर कैलनि मुदा बरियातीमे सेहो एकटा तथाकथित पुरूखक ठेकेदार सोंझा आबि महिलाकें पाग पहिरेवाक विषय पर खिन्न भए गेलाह। बादमे मिथिला मिरर संपादक, एकटा घटना सुनावैत हुनका चुप करौलनि। मैथिली भाषासं प्रथम संघ लोक सेवा आयोगक परीक्षा पास केनिहाइर रजनी झा केर उपमा दैत मंच उद्घोषक कहला जे जखन मिथिलालोक आ डाॅ. बीरबल झा रजनीकें पाग सम्मान सं सम्मानित केने रहैथ त रजनी अपना मोनक बात कहने छलथि। कि इ पाग कहियो मैथिल समाज हमरा पहिरेता? जखन कि अहि पागकें पहिरवा लेल हम ललायित छी।
    पाग बचाउ अभियानक अगुआ डाॅ. बीरबल कहला जे ओ दिन बाद बहुत पाछू छूटि गेल जखन बरियातीक सम्मानमे किछु आओर तरहक वस्तु कें आगू कैल जाइत छल। हमरा लोकनिक मैथिल संस्कृतिकें बचेवाक संग-संग मिथिला आर्थिक, सामाजिक, आ सांस्कृतिक निर्भरताक लेल सतत् कार्यरत्त छी।
    पाग सम्मानकें सफल बनेवामे नागेन्द्र चौधरी, सुधीर झा, गंगा नारायण झा, अजय मिश्र, समलेंन्द्र मिश्र, मिथिलेश कुमार, चंदन कुमार झा, मिहिर झा, आलोक झा, निगम पाषर्द सत्येन्द्र सिंह राणा, रमण सिंह, लाल झा, रामचंद्र झा, दिलीप झा, संतोष झा सहित सैकड़ों कार्यकर्ता लोकनि शामिल छलाह। बादमे डाॅ. बीरबल झा आ अशोक झा केर द्वारा सबकें आभार प्रकट कैल गेलनि। बरियाती लोकनिक कहब छल जे इ हमरा लोकनिक जीवनक एकटा अद्भुत क्षण थिक, जेकरा जीवन भरि स्मरणमे राखब।