धोनी भेलाह चोटिल, पार्थिव टीम में शामिल

    0
    261
    दिल्ली,मिथिला मिरर-शिवेश कुमार झाः भारतीय क्रिकेटक एकदिवसीय और टी.20 टीम के कप्तान महेंद्र सिंह धौनी के पीठक मांसपेशी में खिंचाव आईब गेलनि, जाहि कारने आई एशिया कप टी20 मुकाबला में मेजबान बांग्लादेश के विरुद्ध शुरूआती मैच स पहिने पार्थिव पटेल के कप्तान के बैकअप के रूप में टीम में शामिल कायल गेल।
    भारतीय क्रिकेट कंट्रोल बोर्ड के सचिव अनुराग ठाकुर अप्पन बयान में कहला कि महेंद्र सिंह धौनी के पीठक मांसपेशी में अभ्यास सत्रक दौरान खिंचाव आईब गेलनि, जाहि कारने पार्थिव के टीम में शामिल करबाक फैसला लेल गेल। ओ कहलनि जे पार्थिव जलदिए टीम स जुड़ी जेताह।
    भारतीय क्रिकेट टीम के मीडिया मैनेजर निशांत अरोड़ा कहलनि जे पार्थिव के विकेट कीपर के रूप में टीम में शामिल कायल गेलन्हि। 30 वर्षक विकेटकीपर आ बल्लेबाज पार्थिव घरेलू सत्र में गुजरात दिस स नीक प्रदर्शन केने छलाह। ओ विजय हजारे ट्राफी और देवधर ट्राफी में शतक बना एक बेर फेर अप्पन कुशल बल्लेबाजी के परिचय देने छलाह।
    पार्थिव पटेल भारत के तरफ स अप्पन आखिरी मैच 2012 में आस्ट्रेलिया के ब्रिस्बेन में त्रिकोणीय श्रृंखला के दौरान श्रीलंका के खिलाफ खेलने छलाह। ओ हाल.फिलहाल में कहने छला कि राष्ट्रीय टीम में वापसी के लेल हम भरसक प्रयासरत छी।