मधेपुरा रेलवे स्टेशनक निरिक्षण केलनि डीआरएम रविन्द्र जैन

    0
    247

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: समस्तीपुर मंडलकें डीआरएम रविन्द्र कुमार जैन निरीक्षण करबाक लेल लेल मधेपुरा रेलवे स्टेशन पहुंचलाह। पदस्थापनाक बाद पहिल बेर मधेपुरा पहुंच डीआरएम स्टेशनक जायजा लेलनि। अहि दौरान ओ टिकट काउंटर एवं प्लेटफार्मक निरीक्षण केलनि। मालगाड़ीक रैक देखिकए डीआरएम जानकारी लेलनि त बताओल गेल जे, एतय अधिकांश रैक खाद आ सीमेंटक अबैत अछि।

    मौका पर पार्किंग ठेकेदार पार्किंग क्षेत्रमे वाहन द्वारा रुपैया नहि देबाक बात बताओल गेल। डीआरएम मामलाकें डीसीआईकें देखबाक लेल कहलनि। निरीक्षण उपरांत पत्रकार सं बात करैत ओ कहलनि जे, प्लेटफॉर्मक ऊंचाई बढ़ेबाक प्रस्ताव पठाओल जाएत। ओतहि प्लेटफॉर्मक लंबाई कम रहबाक बाबत बताओल गेल जे, तत्काल छोट-छोट शेड प्लेटफार्म पर बनाओल जा रहल अछि।

    मधेपुरामे रेल इंजन कारखानाके निर्माण सं रेलवेक विशेष ध्यान अहि क्षेत्र पर रहबाक बात कहल गेल। ओ कहलनि जे, यात्री सुविधाक अनुसार विकास काज होएत। डीआरएम चारि हजार गैलन क्षमताक टंकीक निर्माण काज जल्दिये प्रारंभ होएत।