सीसीटीवी कैमरा लगला सं आपराधिक घटना मे 50 फीसदीक कमी

    0
    250
    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: शहरक मुख्य चौक-चौराहहा पर सीसीटीवी सं निगरानीक बाद छिना-झपटी, चोरी तथा लूटक घटना के अंजाम देबय वला अपराधी मे कमी आयल अछि। अहि सं शहरक मुख्य मार्ग पर आपराधिक घटना मे कमी आयल अछि, जहन कि गमी मे अहि आपराधिक कहर जारी अछि।
    कैमरा सं बचबाक लेल शहरक आसपास के थाना क्षेत्र मे सेहो अपराधी अप्पन तांडव जारी रखने अछि। हालक आपराधिक घटना के आंकडा पर यदि गौर कायल जाय त अपराधी के बीच सीसीटीवी कैमरा के खौफक पुष्टि होईत अछि। सीसीटीवी के मददि सं पुलिस के बहुतो आपराधिक घटना के उद‍्भेदन मे सफलता सेहो भेटल अछि।
    14 सितंबर स शहरक 24 गोट चौक-चौराहां पर सीसीटीवी कैमरा निगरानी कय रहल अछि। शहर मे आपराधिक तथा अन्य घटना पर नजरि रखबाक लेल विभिन्न चौक-चौराहा पर सीसीटीवी कैमरा लगाओल गेल अछि।
    14 सितंबर क जोनल आइजी सरैयागंज स्थित सर्वर कक्ष पहुंच कय एकर उद‍्घाटन केने छलाह। अहि के बाद शहर के 24 गोट चौक-चौराहां सीसीटीवी कैमराक निगाह मे अछि। अहि बातक जानकारी अपराधी के सेहो अछि। अपराधी शहरक मुख्य मार्ग पर आपराधिक घटना के अंजाम देबा सं घबराइत अछि।