बुराड़ीमे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह, शनिदिन सांझ 6 बजे सं

    0
    339

    दिल्ली-मिथिला मिररः राष्ट्रीय राजधानी दिल्लीक बुराड़ी स्थित संतनगरमे विश्व मैथिल संघ बुराड़ी आ दीपक फाउंडेशनक संयुक्त तत्वाधानमे शनिदिन सांझ 6 बजे सं विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक विशेष आयोजन होमय जा रहल अछि। कार्यक्रममे एक सं एक राजनीतिक, समाजिक, साहित्यिक संग-संग कला सहित अन्य क्षेत्रक हस्तिक पहुंचवाक अनुमान अछि। कार्यक्रममे मख्य अतिथिक रूपमे केन्द्रीय मानव संसाधन विकास राज्य मंत्री उपेन्द्र कुशवाहा, पूर्व गृह सचिव तथा वर्तमानमे आरा सं सांसद राज कुमार सिंह, लोक अधिकार पार्टी (जनतांत्रिक) कें संस्थापक राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव, भोजपुरी सिनेमाक सब प्रसिद्ध अभिनेता आ गायक सह उत्तर पूर्व दिल्ली सं भाजपा सांसद मनोज तिवारी तहिना साहित्यक जगत सं महान रचनाकार रविन्द्र नाथ ठाकुर सहित कतेको आओर शासनिक-प्रशानिक लोक सभागारमे उपस्थित रहताह।
    सांस्कृतिक कार्यक्रमक जिम्मेदारी मुख्य रूपसं मैथिली सुर साम्राज्ञी रंजना झा केर अगुआई मे रहतनि। एकरा अलावे कुमकुम मिश्र, दिलीप दरभंगिया, देवानंद झा एंव विकास झा अपन प्रस्तुति देताह। देवानंदकें मंच पर देखव बहुतो लोकक नव अनुभव रहत। त नेपालक प्रसिद्ध नाट्य संस्था ‘‘मिलाप’’क रहत, तहिना मंच संचालनक जिम्मेदारी अद्भुदानंद कें रहतनि। दिल्ली एनसीआरमे रहनिहार समस्त मैथिलजन सं मिथिला मिररक विशेष आग्रह कि अपने लोकनि बेसी सं बेसी संख्यामे बुराड़ी पहुंची कार्यक्रमकें सफ़ल बनावी। कार्यक्रम स्थल तक पहुंचाक लेल अपने लोकनि मेट्रो सं विश्वविद्यालय उतरी आ ओहिकें बाद मेट्रो फीडर आ कि अन्य कोनो गाड़ी लए 60 फुटा रोड, स्वरूप नगर, शालिमार पैलेसक नजदीक बुराड़ी पहुंची।