मिथिलाक विभूति अभिनंदित व वंदित भेला

    0
    307

    दिल्ली, मिथिला मिरर: रविदिनक सफल समारोह सँ पुन: प्रमाणित भेल जे “मिथिला विकास परिषद”, कोलकाता ओहि समर्पित आन्दोलनी कें सतत् सम्मान निर्गत करेबाक प्रति प्रतिबद्ध अछि जे अपन जीवनक अमूल्य एवं बहुमूल्य समय माँ मैथिलीक सेवा हेतु समर्पित कs चुकल छथि एवं सम्प्रति कs रहला अछि। मिथिलाक सपूत यथा स्व० बाबूसाहेब चौधरीक जन्मसदीक अवसर पर परिषद जाहि तरहक आयोजन आयोजित कयलक एहि सँ प्रमाणित होइत अछि जे वैचारिक मतभिन्नता रहला उपरान्तहुँ मिथिला-मैथिलक सर्वांगीण विकासक मुद्दा पर मिथिला विकास परिषद, विचारधाराक समर्थनक प्रहरी बनि आन्दोलनात्मक पक्षक मात्र समर्थनहिं नञि करैत अछि बल्कि कार्यरूप मे परिणत करबाक सामर्थ्य सेहो रखैत अछि । अनावश्यक विवादक घनघोर छाया सँ परिषद ओझराइत नञि अछि बल्कि प्रायोजित विवाद सँ विकासक मार्ग प्रशस्त करबाक सरल व सुगम रास्ता निकालैत अछि । एक एहेन आंदोलनी जिनक जीवन गाथा वस्तुत: मिथिला-मैथिलीक लेल प्रतिक्षण समर्पित छल, ओहि महान व्यक्तिक जन्मसदी आयोजित करब समस्त मिथिला-मैथिली केनिहार सेनानीक लेल गौरवक एवं हर्षक विषय थिक हेतुए जे स्व० चौधरी द्वारा जे डाढ़ि खींचल गेल छल ओहि कें निष्ठापूर्वक आओर दृढ़तापूर्वक अग्रसारित करबाक प्रति बचनबद्ध होइथ । एहि चिंतन कें सर्वथा चित्त मे समायोजित करs पड़त जे हमरालोकैन एक्कहिं पथक पथिक थिकौं, भलेहि बाट विलग कियेक न हो । परिषद परिवार द्वारा स्व० चौधरीजी’क जन्मसदीक आयोजन ओहि महान पुण्यात्माक प्रति समर्पित आ विनम्र श्रद्धांजलि अछि ।

    साहित्यक समाजक दर्पण होइत अछि जाहि दर्पण केर माध्यमें तथा चित्र कें अवलोकित करैत सुन्दर स्वरूप कें सजाओल जा सकैत अछि । कविचूड़ामणि स्व० काशीकांत मिश्र ‘मधुप’  अपन रचना एवं लेखनीक माध्यम सँ मिथिलाक तत्कालीन पारिवारिक, सामाजिक एवं सांस्कृतिक चिंतनधारा कें सामाजिक परिपेक्ष्य मे प्रस्तुत कयलनि, मैथिल समाज हुनक एहि योगदान कें चित्त आओर चेतना मे धारण करैत हृदय सिंहासन पर सदैव अवस्थित कयने रहत । हुनक अनेकों रचना जाहि मे दीन-हीन पुरूष व नारीक प्रति करूणाक भाव स्पष्टत: लक्षित होइत अछि, एहि बातक संदेश निर्गत करैत अछि जे विधाता द्वारा रचित व सृजित प्रत्येक पदार्थ व प्राणीक प्रति द्वेषभाव-वैरभाव राखब मनुष्यता व मानवताक हेतु घोर अपराध थिक । समाजक समुत्थान मे वांछित एवं आकांक्षित योगदान सँ स्वस्थ, सुदृढ़ एवं सुव्यवस्थित समाजक निर्माण होइत अछि । परिषद एहि महान विभूति कें सार्वजनिक रूप सँ स्मृति-दिवस केर रूप मे आयोजित कs साहित्यिक अनुरागक सर्वश्रेष्ठ उदाहरण प्रस्तुत करैत जगजियार भs गेल ।

    वर्तमान मैथिली आंदोलन मे सभ किछु माँ मैथिलीक लेल समर्पित केनिहार तथा प्रखर वक्ता एवं प्रतिबद्ध आंदोलनी श्री कमलेश झाजी कें सम्मानित करब गौरव आ आह्लादक विषय थिक । हिनक जीवन गाम-घर मे मैथिलीक दीप प्रज्जवलित करबाक प्रति समर्पित रहल अछि । परिषदक अध्यक्ष अशोक झा हिनका सम्मानित कय यशस्वी भेलाह । परिषद परिवार द्वारा कयल गेल एहि कृतिक प्रति अध्यक्ष समेत सम्पूर्ण परिषद परिवार अभिनंदनीय व वंदनीय छथि । मैथिली पत्रकारिताक क्षेत्र मे “मिथिला मिरर” केर युवा संस्थापक सम्पादक ललित नारायण झा कें सम्मानित करब एहि बातक परिचायक अछि जे आधुनिक संचार व मिडिया जगत मे पत्रकारिता ओहिना आवश्यक अछि जहिना शरीरक सुन्दरता कें सुन्दर परिधानक आवश्यकता प्रयोजनीय होइत अछि । ललित समर्पित छथि मिथिला-मैथिलीक ओहि सभ विधा कें समाजक समक्ष प्रस्तुत करबाक प्रतिए जाहि सँ समाजक प्रत्येक व्यक्ति मे मातृभूमिक प्रति चेतनाक उमंग तरंगित भs सकय ।

    अभिनंदन-वंदन करैत छी मैथिल समाज कें एवं परिषद परिवार कें जिनका माध्यमें मिथिलाक विभूति अभिनंदित एवं वंदित होइत आबि रहला अछि । आशा करैत छी भविष्यहुँ मे परिषद आओरो विभूति कें एहि प्रकारक सम्मान निवेदित करैत कर्तव्य पथ कें प्रशस्त करैत रहत।