चिकित्सक आ कर्मीक आभावि’क मारि झेलि रहल अछि डुमराक ई पीएचसी

    0
    329

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: संसाधनक कमी के कारण डुमरा पीएचसी के चिकित्सक तथा कर्मी त परेशान छथिए, मरीजक सेहो समुचित चिकित्सा सुविधा नहि भेट पाबि रहल अछि। अस्पताल मे चिकित्सक व सहयोगी कर्मीक घोर अभाव अछि। एमबीबीएस व आयुष डॉक्टर सहित एएनएम, कंपाउंडर, ड्रेसर आदिक अधिकांश सृजित पद खाली अछि।

    अहि अस्पताल मे विशेषज्ञ चिकित्सक नदारद अछि। कहबाक लेल त एमबीबीएस चिकित्सक के नौ टा पद सृजित अछि, मुदा पदस्थापित मात्र दू गोट चिकित्सक छथि। संविदा चिकित्सकक चारि मे सं मात्र एकटा चिकित्सक पदस्थापित अछि। आयुष चिकित्सक के दोनु सृजित पद खाली अछि। अहि तरहे मात्र तीन चिकित्सक के भरोसे डुमरा प्रखंडक लाखो लोकक चिकित्सा निर्भर अछि।

    कर्मी के अधिकांश पद खाली रहला सं मरीज के उपलब्ध संसाधनक लाभ नहि भेटि रहल अछि। दवाईक कमी सेहो पहिने जेना एखनहु बरकरार अछि। आउटडोर हो या इनडोर मात्र 60 प्रतिशत दवाई उपलब्ध अछि। पीएचसीक चहारदीवारी नहि रहलाक कारण कर्मी आ मरीज असुरक्षित महसूस करैत अछि।