दरभंगाक गेहुंमी गांवमे एकहि परिवारक तीन गोट बच्चाक डूबला सं मृत्यु

    0
    300

    दरभंगा,मिथिला मिरर-मणिकांत झा/न्यूज डेस्कः दरभंगा जिलाक मब्बी ओपीक सिमरा-नेहालपुर पंचायतक गेहुंमी गाम मे एकहि परिवारक तीन गोट सहोदर भाई-बहिनक मृत्यु नदी मे डूबला सं भय गेल। गेहुंमी गामक शंकर बैठा’क 15 वर्षीय पुत्री आशु कुमारी, 13 वर्षीय पुत्री अंशु कुमारी आ 11 वर्षीय पुत्र अमित कुमार अधवारा समूहक बागमती नदी सं गिल्ल माटी लेवाक लेल गेल छलथि मुदा संतुलन नहि रलहाक कारणें एकटा बच्चाक पैर पिछैड़ गेल आ ओ नदी मे खसी पड़ल।
    नदी मे खसल बच्चा कें निकालवाक लेल एक-एक कऽ दुनू बच्चा पानि मे उतैर गेल आ अंततः तीनू सहोदरक गर्दनाक मृत्यु पाइन मे डूबला सं भय गेलैक। घटनाक बाद आपदा प्रबंधन विभागक अधिकारी रविन्द्र कुमार कहला जे पीडि़त परिवार कें मुख्यमंत्री राहत कोष सं सहायता कैल जायत संगहि लाशक पोस्टमार्टम भेलाक उपरांत अपदा प्रबंधन विभाग सेहो अपना दिस सं पीडि़त परिवार कें हर संभव मदद करवाक लेल तैयार अछि। अहि घटनाक बाद आस-पासक गाम मे महौल तनाव पूर्ण बनल अछि।