बिहार मदरसा मे गणित आ विज्ञानक पढ़ाई जल्द

    0
    320

    पटना, मिथिला मिरर: राज्य मे संचालित मदरसा विद्यालय मे गणित आ विज्ञान विषयक सेहो पढाई कराओल जायत। मदरसा बोर्ड अहि विषय के लेल शिक्षक नियुक्तिक प्रस्ताव राज्य सरकार के भेज देलक। बताओल जा रहल अछि जे, पहिल चरण मे 1127 मदरसा मे विज्ञानक पढ़ाई शुरू कराओल जायत। बोर्ड प्रत्येक मदरसा मे तीन-तीन टा शिक्षक नियुक्त करबाक बात कहलक, जाहि सं स्पष्ट अछि जे. विज्ञानक कुल 3381 शिक्षक के नियुक्ति कायल जायत।

    सूत्रक अनुसार मदरसा शिक्षा बोर्ड दिस सं देल गेल प्रस्ताव मे परंपरागत विषय के संग-संग गणित, विज्ञान आ अंग्रेजी विषयक पढ़ाईक लेल शिक्षक नियुक्त करबाक बात शामिल अछि। अहि के अलावा बोर्ड सरकार सं टीचिंग एंड लर्निंग मैटेरियल, साइंस आ मैथ किट आदिक लेल आर्थिक मददि संगहि मदरसा के कम्प्यूटरीकरणक मांग सेहो केलक अछि।