नालंदा विश्व विद्यालय के पहिल दीक्षांत समारोह मे भाग लेलनि राष्ट्रपति

    0
    267

    नालंदा, मिथिला मिरर: राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी नालंदा विश्व विद्यालय के पहिल दीक्षांत समारोह मे टॉपर छात्र के गोल्ड मेडल आ डिग्री प्रदान केलनि। लगभग डेढ़ घंटा धरि चलल अहि दीक्षांत कार्यक्रम मे राष्ट्रपति 2 टा छात्र के गोल्ड मैडल देलनि जहाँ कि सत्रक सब छात्र-छात्रा के डिग्री प्रदान केलनि।

    अहि अवसर पर आयोजित कार्यक्रम के संबोधित करैत राष्ट्रपति कहलनि जे, नालंदा विश्व विद्यालय के गौरवशाली इतिहास रहल अछि। जकरा हम आय फेर सं पाबि लेलहुँ। अहि अवसर पर मौजूद बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे, हमर इच्छा अछि जे विश्वविद्यालय केंद्र आ राज्य सरकार पर आश्रित हेबाक बदले स्वं अपना बल पर एकटा मिसाल पेश करय।