भागलपुर मे रेलक पटरी टूटल, दुर्घटना हेबा सं बाल-बाल बचल ट्रेन

    0
    285

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे पूर्व मध्य रेलवेक बरौनी-कटिहार रेल खंड पर बृहस्पतिदिन एकटा  सवारी गाड़ी दुर्घटनाग्रस्त हेबा सं बाल-बाल बचि गेल। रेल पुलिस सूत्रके अनुसार, नौगछिया आ कटरिया स्टेशनक बीच बनिकपुर हॉल्ट के निकट जार के कारण डाउन लाइन पर करीब चारि इंच पटरी टूटि गेल छल।

    अहि दौरान बरौनी-कटिहार सवारी गाड़ी जहैं टूटल पटरी सं गुजरि रहल छल त तब यात्री के झटका महसूस भेल। जकर जानकारी समय रहैत रेल प्रशासन के देल गेल। बाद मे पटरी के ठीक कय ट्रेनक आवागमन बहाल कायल गेल।