मिथिलाक समस्त जिलामे निकलत पाग मार्च, 8 मई कऽ मधुबनी सं एकर शुरूआत

    0
    331

    दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिलालोक फाउंडेशन आ अंग्रेजी भाषाक जानल-मानल विद्वान डाॅ.बीरबल झा केर अगुआई मे दिल्ली सं शुरू भेल ‘पाग बचाउ अभियान’ आब अपन दोसर चरणमे मिथिला पहुंच गेल अछि। संस्थाक चेयरमैन डाॅ. बीरबल झा मंगलदिन मधुबनीमे एकटा संवाददाता सम्मेलन कय अहि बातक जानकारी प्रेसकें देलनि। डाॅ. झा’क मानी त मिथिलाक समस्त जिलामे ‘पाग मार्च’ कैल जायत जकर शुरूआत 8 मई कऽ मधुबनी सं हैत।
    मिथिला मिरर सं विस्तारित बातचीत मे डाॅ. झा कहला जे पागकें लय हमरा सब मिथिलाक समस्त जिलामे जायब आ ओहिठामक आम जनमानसकें अपना संस्कृति सं जोड़ैत रोजगारक नव दरबज्जा खोलवाक प्रयास कैल जायत। डाॅ. झा कहला जे संस्था आगामी दिनमे बहुत रास नव कार्य करवाक लेल सोचि रहल अछि जाहि मे पाग सम्मान आ बहुत रास एहन बात अछि जेकरा एखन सार्वजनिक करब उचित नहि।
    मधुबनीमे संपन्न भेल संवाददाता सम्मेलनमे डाॅ. बीरबल झा केर संग जानल-मानल समाजसेवी आ आईआईटी सं इंजीनियरिंग कय चुकल डाॅ. सुनील झा सेहो उपस्थित छलाह। मधुबनीमे आयेजित संवाददाता सम्मेलनकें प्रेसक सेहो बहुत नीक समर्थन रहल आ विभिन्न पत्र-पत्रिका सहित मैथिलक शिक्षित ओ संभ्रांत वर्गमे सेहो अहि बातक खूब चर्चा आ सराहना कैल जा रहल अछि।