स्कूल के गोद लय शिक्षा दान करत छात्र राजद

    0
    248

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: अध्यक्ष चुनल गेलाक बाद महानगर छात्र राजद अध्यक्ष प्रवीण प्रशांत रविदिन कहलनि जे, छात्र राजद स्कूल के गोद लय कय ओतय शिक्षा दान करत। संगहि निर्धन छात्र के पाठ्य सामग्री सेहो उपलब्ध कराओत।

    ओ कहलनि जे, विश्वविद्यालय मे छात्रक मूलभूत समस्याक निदान करबाक लेल पूरा प्रयास कायल जायत। दोसर दिस महानगर कमिटिक गठन करैत रामकृष्ण साह के उपाध्यक्ष, अभिषेक मिश्र के महासचिव, राजन मंडल के सचिव मनोनीत कायल गेल।

    सम्मेलन मे छात्र संघ के बावत कुलपतिक बयानक निंदा कायल गेल। अहि अवसर पर दिनेश कुमार मंडल, संतोष गोस्वामी, मनीष यादव, केशव झा, सोनू कुमार, विक्रांत यादव, शिव करण यादव उपस्थित छलाह।