बेगूसराय मे राष्ट्रीय लोक अदालत के कायल गेल आयोजन

    0
    321

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: 10 सितंबर क बेगूसराय न्यायालय परिसर मे आयोजित राष्ट्रिय लोक अदालत के उद्घाटनक मौक़ा पर जिला एवं सत्र न्यायाधीश गंगोत्री राम त्रिपाठी कहलनि जे, भारत मे अदालत मुकदमा के बोझ स दबल अछि। मुदा लोक अदालत एकटा एहेन माध्यम अछि जाहि के द्वारा नहि मात्र लोक के न्याय भेटैत अछि बल्कि अदालत के मामला के निपटेबा मे महत्वपूर्ण भूमिकाक सेहो निर्वाह करैत अछि। ओ कहलनि जे, अहि माध्यमे छोट-छोट मामलाक समाधान कय परिवार के टूटबा सं बचाओल जा सकैत अछि।

    ओ कहलनि जे, लड़ाई मे धन आ समय दूनू बर्बाद होइत अछि। लोक अदालत मे कोनो भी पक्षक हार नहि होइत अछि। एतय के फैसालक खिलाफ कतहु अपील सेहो नहि होइत अछि। राष्ट्रीय लोक अदालत के उद्घाटनक मौका पर जिला पदाधिकारी नौशाद युसूफ, एसपी रंजीत कुमार मिश्र, सचिव सुमन कुमार सिंह समेत बहुतो न्यायिक पदाधिकारी आ दर्जनो अधिवक्ता मौजूद छलाह।