मुजफ्फरपुरमे जनाधिकार पार्टी निकाललक ‘अर्थी जुलूस’

    0
    294

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: जनाधिकारी पार्टी द्वारा सोमदिन पार्टी अध्यक्ष आ सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादवक गिरफ्तारी आ पटनामे शांतिपूर्ण प्रदर्शन करए वला पर लाठी चार्जक घटनाकें निंदा करैत अर्थी जुलूस निकालल गेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादवक अर्थी जुलूस छाता चौक सं निकालिकय कल्याणी चौक पर संस्कारक संग समाप्त कएल गेल।

    पार्टी के वरीय नेता संजय चौधरी कहलनि जे, शांतिपूर्ण तरीका सं जनताक मांगकें लेल आंदोलन करय वला पर लाठीचार्जक जतेक निंदा कएल जाए कम अछि। ओ सांसद पप्पू यादव समेत अन्य नेताकें रिहाईके संग हालमे भेल बीएसएससी घोटालाक सीबीआई जांच करेबाक, किसान बिजली बिल माफ करबाक, बिजली दामक वृद्धि वापस करबाक मांग रकए रहल छल।

    पार्टी चेतावनी देलक जे, यदि मांग पूरा नहि कएल गेल त आबए वला दिनमे आंदोलन तेज होएत। अहि मौके पर जिलाध्यक्ष अविनाश कुंवर, प्रीतम राज, सुरेश चौधरी, शिबू कुमार आदि प्रमुख रूप सं शामिल छलाह।