काँग्रेसकेँ भेलाह कीर्ति, कहलाह घर वापसी कएलहु अछि हम

0
678

दिल्ली/ दरभंगा, मिथिला मिरर : दरभंगासँ भाजपाकेँ निलंबित सांसद कीर्ति आजाद 18 फरवरी सोमदिन विधिवत काँग्रेसमे शामिल भ’ गेलाह। आजाद सोमदिन काँग्रेस अध्यक्ष राहुल गाँधीकेँ आवास पर जा हुनकासँ भेट केलनि। राहुल गाँधी स्वंय कीर्ति आजादकेँ काँग्रेस पार्टीक सदस्यता ग्रहण करेलनि। बिहार काँग्रेस प्रभारी शक्ति सिंह गोहिल आजादकेँ पार्टीमे स्वागत करैत मीडियाकर्मीकेँ संबोधित करैत कहलाह जे ‘जिनकामे कनिको स्वाभिमान छनि, ओ भाजपामे नै रहि सकैत छथि’। भ्रष्टाचारकेँ खिलाफ आवाज उठवै वला कीर्ति आजाद काँग्रेसमे शामिल भेलाह। काँग्रेसमे शामिल होइते कीर्ति आजाद पत्रकार वार्तामे कहलाह जे 26 साल धरि भाजपाकेँ सेवा केलहु। जहियासँ ई सरकार बनल, तहियासँ असली चेहरा सामने आवय लागल।  आजाद कहलनि जे ओ अपन पिता भगवत झा आजादक पार्टीमे शामिल भेलहु अछि आ हम त’ घर वापसी केलहु अछि। आगू कहलाह जे  ‘काँग्रेस पार्टी सदिखन देशक अखंडताक लेल काज केलक आ हमरा लेल इ सौभाग्यक बात अछि जे राहुल गाँधी हमरा अपनेलनि अछि। आजाद भाजपा पर हमलावर होइत दावा कएलनि जे  ‘पाँच साल तक मात्र जुमला  सुनलौ। डीडीसीएकेँ कागजात हमरा लग छल आ हम भ्रष्टाचारक बात क’ रहल छलहु। मुदा हमर एको बात नै सुनल गेल। कीर्ति कहलनि जे जखन हम सभटा कागद रखलहू तखन हमरा पीठमे छूरा घोंपल गेल। तखन समझमे आयल जे ‘न खाऊंगा, न खाने दूंगा’ सेहो एकटा जुमला साबित भेल। आजाद आरोप लगेलनि जे भाजपामे आंतरिक लोकतंत्र नै छैक।

दरअसल, कीर्ति आजाद शुक्रदिन यानि 15 फरवरीकेँ कांग्रेसमे शामिल होमयवला छलथि, मुदा पुलवामा आतंकी हमलाकेँ बाद एहि कार्यक्रमकेँ रद्द क’ देल गेल छल। बतादी जे आजाद पछिला लोकसभा चुनावमे बिहारक दरभंगासँ भाजपाकेँ टिकट पर निर्वाचित भेल छलाह। मुदा साल 2015 मे अरुण जेटली प्रकरणकेँ कारण भाजपासँ निलंबित क’ देल गेलाह। पछिला किछु समयसँ कीर्ति आजाद काँग्रेसमे शामिल हेताह एहि तरहक अटकलबाजी चलि रहल छल। हालाँकि हुनक पत्नी पूनम आजाद पहिनेसँ काँग्रेस पार्टीमे छथि आ हुनक पिता सेहो काँग्रेसी छलाह।

काँग्रेसक हाथ थमलाहक बाद दरभंगा पहुँचलाह कीर्ति आजाद, मंच टूटवासँ मचल अफरातफरी

काँग्रेसक हाथ थमलाहकेँ बाद भाजपाकेँ निलंबित सांसद कीर्ति झा आजाद दरभंगा पहुँचलाह। एहि दौरान हुनक भव्य स्वागत पार्टी कार्यकर्ता आ समर्थक लोकनि फूल-माला पहिरा क’ कएलनि। एहिकेँ बाद कांग्रेस पार्टीक जुलूसमे शामिल भ’ शहरक विभिन्न इलाकाक भ्रमण केलाह। जुलूसकेँ दौरान कार्यकर्ता लोकनिक उत्साह देखिते बनैत छल। जुलूस लहेरियासराय बलभद्रपुर स्थित कांग्रेस कार्यालय पहुँचल, ओतय हुनक भव्य स्वागत कएल गेल। एहि दौरान कार्यकर्ताकेँ भीड़ जुटल छल। जखने कीर्ति अपन बात कहनाय शुरू केलाह तखने मंच टूटी गेल। जाहिसँ किछु देर लेल ओतय अफरातफरी मचि गेल। कीर्ति आजादक संग पार्टीक प्रदेश अध्‍यक्ष डॉ मदन मोहन झा सहित कतेको वरिष्ठ नेता सेहो उपस्थित छलाह। कीर्ति आजादकेँ पार्टीमे शामिल भेलासँ हुनक समर्थक आ कार्यकर्तामे खुशीक लहर देखल गेल। आब सवाल इ अछि जे की कीर्ति आजाद पुनः अपना पक्षमे जन समर्थन जुटा लेताह आ आगामी चुनावमे जीत सांसद बनि संसदमे जेताह। ई त’ आवय वला समय बताओत।