पहिल बेर चुनावी होर्डिंग्‍स मे प्रधानमंत्री मोदी संग नीतीश कुमार, चिराग आ मांझी गायब

0
877

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी हलचल तेज भ’ चुकल अछि। कोरोना काल मे भले चुनावी हलचल वा जुलूस नहि देखना जा रहल होई मुदा पोस्टरक माध्यम सँ चुनावी माहौल बनाओल जा रहल अछि। आब एही पोस्टर वॉर मे राज्यक सत्ताधारी दल सभ सेहो कूदी गेलाह अछि। रविदिन पटनाक हरेक चौक चौराहा प्रधानमंत्री मोदी आ नीतीश कुमारक पोस्टर सँ छाडी देल गेल। एनडीए केँ तरफ सँ लगाओल गेल एही पोस्टर मे तरह-तरह केँ नाराक संग दुनू केँ फोटो छपल अछि। एही पोस्टर मे प्रधानमंत्री द्वारा विगत किछु दिन मे कहल गेल वक्तव्य केँ आधार बनाओल गेल अछि।  प्रधानमंत्री द्वारा नीतीश केँ तारीफ मे कहल गेल शब्द सभक प्रयोग कएल गेल अछि। आ पूरा तन्मयता सँ एनडीए केँ एकजुट देखेबाक कोशिश कएल गेल अछि।

मुदा एनडीएक प्रमुख घटक दल लोजपा एहि पोस्टर सँ गायब अछि। मालूम होयत जे लोजपा अध्यक्ष चिराग पासवान लगातार राज्य सरकारक कमी केँ सार्वजनिक रुपें उजागर करैत रहलाह अछि। दुनू दलक बीच संबंध केहन अछि सभके बुझल अछि। सवाल अछि जे पोस्टर एनडीए जारी कएलक अछि त’ चिराग वा रामविलास पासवान केँ फोटो हेबाक चाही। मुदा कोन आधार पर लोजपा केँ जगह नै देल गेल एकर खुलासा अखनि नहि भेल अछि। एतबे नहि हालहिं एनडीएक हिस्सा बनल मांझी सेहो गायब छथि।

हरेक पोस्टर मे अलग अलग बात लिखल गेल अछि। एकटा होर्डिंग मे लिखल अछि- ‘आधुनिक बिहार को गढ़ने में नीतीश जी की अहम भूमिका है- प्रधानमंत्री मोदी।’  संगे दायाँ-बायाँ नरेंद्र मोदी आ नीतीश कुमारक अभिवादन करैत फोटो लागल अछि। त’ दोसर मे लिखल अछि- ‘नीतीश जी जैसे सहयोगी हों, तो कुछ भी संभव है।’ मुदा सभटा पोस्टरक निच्चा मे एकटा नारा लिखल अछि  ‘न्याय के साथ तरक्की, नीतीश की बात पक्की।’

जनतब होयत जे पैछला किछु दिन सँ प्रधानमंत्री मोदी बिहार मे कतेको प्रोजेक्ट केँ उद्घाटन आ शिलान्यास कएलनि अछि। एही दौरान नीतीश कुमार द्वारा कराओल गेल काजक खूब प्रशंसा सेहो कएलनि अछि। एही केँ आधार बना एनडीए पूरा पटना केँ पोस्टर सँ छाड़ी देलक अछि। मुदा राजनीतिक गलियारा मे एहन खबरि चलि रहल अछि जे छोट दल केँ छोटे जेना देखल जाय। चुकी लोजपा सरकार मे नहि अछि तैं ओकरा दरकिनार कएल गेल अछि। आब देखबाक बात एही जे लोजपा एहि प्रकरण पर की प्रतिक्रिया देत।