मधुबनीक विशेष नवजात केयर मे नहि होईत अछि ईलाज

    0
    272
    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी सदर अस्पताल मे हालहि मे स्थापित विशेष नवजात केयर यूनिट एखन धरि मात्र एकटा शो पीस के रूप मे देखल जा रहल अछि। लगभग 40 दिन मे अहि यूनिट मे एकटा नवजातक जांच नहि भ सकल अछि। सदर अस्पताल मे 29 जून क विशेष नवजात केयर इकाईयक उद्घाटन जिलाधिकारी गिरिवरदयाल सिंह द्वारा कायल जेल छल।
    ज्ञात हो कि लाखो रुपैयाक लागत स विशेष सघन बेबी केयर यूनिट के तैयार कायल गेल छल, जाहि मे 13 टा रेडीयेंट बारमर बेड लगायल गेल अछि। जकर कीमत लगभग सात लाख रुपैया बताओल जा रहल अछि। एकर अलावा अहि यूनिटक लेल तीन गोट चिकित्सक तथा सात गोट ए ग्रेड स्टॉफ नर्सक प्रतिनियुक्ति कायल गेल छल। जहन कि वर्तमान मे महज एक गोट ए ग्रेड नर्स अहि यूनिट मे तैनात अछि आ चिकित्सक ओपीडी मे ड्यूटी केलाक बाद महज एक घंटाक समय अहि यूनिट मे दैत छथि।
    एसएनसीयू के प्रभारी कुमारी दीपमालाक अनुसार अहि विशेष इकाई मे एखन धरि एक्को टा बच्चाक उपचार नहि भ पायल अछि। एतय प्रतिनियुक्त तथा चिकित्सक के एखन धरि तैनाती नहि भेल अछि। लिहाजा 24 घंटा खुजई बला ई इकाई महज 6 घंटा धरि खुजैत अछि। एकर अलावा फेंटवाइन ग्रुपक दवाईयके अनउपलब्धता सेहो एकटा समस्या अछि।
    सिविल सर्जन डाॅ अमरनाथ झा अनुसार विशेष नवजात केयर यूनिट मे नियुक्त चिकित्सक तथा अन्य कर्मिक विशेष ट्रेनिंग भेनाय बांकी अछि, जा धरि ट्रेनिंग नहि भय जायत ता धरि अहि यूनिट मे उपचार संभव नहि अछि।