दिल्ली सं जल्दीए होयत ‘मैथिली’ मे एकटा नव पत्रिकाक प्रकाशन

    0
    336

    दिल्ली, मिथिला मिरर: मैथिल अभियानी संजीव सिन्हा दिल्ली सं एकटा मासिक मैथिली पत्रिका प्रकाशित करय मे जुटि गेल छथि।संजीव सिन्हा के अनुसार महाकवि विद्यापति स्मृति दिवस 13 नवंबर 2016 कें नई दिल्ली मे अहि नव पत्रिकाक लोकार्पण कायल जायत। मैथिली साहित्य महासभाक महासचिव, मिथिला राज्य निर्माण सेनाक कोषाध्यक्ष अओर मैथिली पत्रकार समूहक समिति सदस्य संजीव सिन्हा बतौलनि, ‘‘हालहि मे नई दिल्ली स्थित प्रेस क्लब मे मैथिली पत्रकारिता पर आयोजित एकटा संगोष्ठी मे ई गप उभरि क’ आएल जे मैथिली पत्रकारिताक 111 बरख पूर्ण भ’ चुकल अछि। लगभग अढाई सौ सं बेसी पत्र-पत्रिका प्रकाशित भ’ चुकल अछि, मुदा बेसी पत्रिकाक प्रमुख स्वर साहित्यिके रहल अछि। एहन मे एकटा समाचार आ विचारमूलक मैथिली पत्रक आवश्यकता रेखांकित भ’ रहल अछि।

    सिन्हा कहलनि जे बस इएह सोचि क हम नियार कएलहुं जे दिल्ली सं एहि अभावक पूर्ति हो आ एहि तरहक एकटा मासिक मैथिली पत्रिका प्रकाशित कएल जाए। आबई बला नव पत्रिका केर विषय-वस्तु पर प्रकाश दैत सिन्हा कहलनि जे, एहि पत्रिका मे मैथिली भाषा, साहित्य, समाज आ संस्कृतिक संग-संग विज्ञान, कृषि, आर्थिक, खेलकूद, सिनेमा आ राजनीति पर आलेख एवं समाचार होएत। मिथिला मे विकास-कार्य कें गति मिलय, एहि पर सेहो जोर रहत। संगहि ई पत्रिका मिथिला राज्य निर्माण हेतु वैचारिक प्रबोधनक कार्य करत।

    सिन्हा पत्रिकाक स्वरूपक संबंध मे कहलनि जे, अहि पत्रिका मे आम पाठक कें सहज समझ मे आबयबला सरल मैथिली केर प्रयोग होएत। एहि पत्रिका मे मजदूर, रिक्शावाला, लेखक, पत्रकार, प्रशासनिक अधिकारी सहित सभ वर्गक मैथिलक अनुभव आ विचार प्रस्तुत कएल जाएत।

    एतय बता दी जे संजीव सिन्हा वरिष्ठ पत्रकार छथि। भाजपा केंद्रीय मुखपत्र ‘कमल संदेश’क सहायक संपादक आ प्रतिष्ठित वेबमंच प्रवक्ता डाॅट काॅम के संस्थापक संपादक छथि। ओ दिल्ली पत्रकार संघक कार्यकारिणी सदस्य आ नेशनल यूनियन आॅफ जर्नलिस्ट्स (इंडिया)क विशेष आमंत्रित कार्यकारिणी सदस्य सेहो छथि।