सीता जन्मभूमि पर केन्द्रीय मंत्रीक वक्तव्यक निंदा केलक ‘विद्यापति सेवा संस्थान’

    0
    360

    दरभंगा, मिथिला मिरर: विद्यापति सेवा संस्थान केंद्रीय मंत्री महेश शर्मा द्वारा सीताक प्राकट्यस्थली पुरौना, सीतामढ़ीक संबंधमे देल गेल बयानक निंदा केलक अछि। संस्थानक महासचिव डॉ. बैद्यनाथ चौधरी बैजूक अध्यक्षतामे संपन्न भेल बैसकमे केन्द्रिय मंत्री शर्माक वक्तव्यक निंदा करैत कहल गेल जे, अहि बयान सं मिथिला वासीक संग-संग देश-विदेशक संपूर्ण भारतीय जनमानस आहत अछि।

    ओतहि इहो कहल गेल जे, मंत्रीक ई अनर्गल प्रलाप अछि। ज्ञात हो कि केंद्रीय मंत्री महेश शर्मा संसदमे सीताक जन्मस्थली पुरौना, सीतामढ़ीक संबंधमे कहलनि जे, एकर कोनो ठोस प्रामण नहि अछि। महासचिव डॉ. बैजू मंत्री सं क्षमायाचनाक मांग करैत प्रधानमंत्री सं अनुरोध केलनि जे, अहि प्रसंगमे मंत्रीक विरूद्ध ठोस कारवाई कएल जाए। बैसकमे चंद्रशेखर झा बुढाभाई, डॉ. उदयकांत मिश्र, डॉ. हरेराम झा, श्याम भास्कर, हरिकिशोर चौधरी इत्यादि उपस्थित छलाह।