बेगूसराय मे चारि बच्चाक माँ प्रेमी संग फरार, बिलखि रहल मासूम

    0
    401

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बिहारक बेगूसराय मे सहायक थाना गढ़हारा क्षेत्र अंतर्गत चारि बच्चाक मां सुनियोजित तरीका सं अप्पन प्रेमी संग फरार भय गेल। अहि महिलाक प्रेमीक संग फरार हेबाक बाद छोट-छोट मासूम बच्चा मां’क ममता के बिना बिलखि रहल अछि आ महिलाक पति परेशान अछि।

    सूत्रक अनुसार, नगर परिषद बीहटक वार्ड संख्या 10 के गढ़हरा मोहल्ला निवासी सुरेंद्र पासवान के करीब 30 वर्षीया पत्नी पड़ोसक एकटा 19 वर्षीय प्रेमीक संग अप्पन चारु बच्चा के छोड़ि कय फरार भय गेल। पति तथा परिजन उक्त महिलाक खोजबीन केलक मुदा महिलाक कोनो पता नहि चलल। अहि के बाद पति गढ़हारा थाना मे घटनाक सूचना देलक।

    पति अप्पन पत्नी के बहला फुसला कय अपहरण केलाक बाद बलात्कार एहेन घटनाक अंजाम देबाक आशंका जतेलक अछि। परिजन के अनुसार पड़ोसक रामबालक रजक के पुत्र सुमन कुमार मोबाइल सं बात कय महिला के बरौनी जंकशन बजेने छल।
    बताओल  अछि जे, दुनूक बीच महीनों सं बातचीत तथा घर एनाय-जेनाय होइत छल। अहि दौरान दुनु के बीच प्यार भय गेल। कलयुगी मांक भगला सं चारु पीडि़त बच्चाक हाल कानि कानि कय बेहाल अछि। अहि संबंध मे थानाध्यक्ष अमित कुमार कहलनि जे, मामलाक अनुसंधान कायल जा रहल अछि। महिला के शीघ्र बरामद कायल जायत।