मधुबनीक गदियानी मे डकैतक तांडव, बच्चाक अगुआ कय लुटलक 15 लाखक जेवरात

    0
    425

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी नगर थानाक गदियानी मोहल्ला मे डकैत जमिकय ताण्डव केलक। उक्त डकैती मे 15 लाख सं अधिक के जेवरात लूटि लेलक। दर्जन भरि डकैत मेन गेटक ताला खोलिकय ज्वेलरी ब्यवसायी भगवान साहक घर मे घुसि कय बच्चा के अगुआ कय घरक आलमीरा खोलि जेवरातक संग तीस हजार नगदी लय गेल।

    पुलिस घटना स्थल पर पहुंचकय जांच मे जुटल अछि। जाँच मे एसएसबीक डॉग स्क्वाड के सेहो लगाओल गेल अछि। डकैत बेहोशीक लेल बेहोशीक दवाई सेहो घरक लोक पर इस्तेमाल केलक।बहरहाल घना आबादीक बीच मे आबि कय बेख़ौफ़ डकैत डाका देलक जाहि सं इलाका मे दहशत पसरल अछि।