मंगरौनी मे ग्रामीण सड़क उद्घाटन मे पहुँचलाह मदन मोहन झा

    0
    313

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी के मंगरौनी दक्षिणी पंचायत स्थित बाबा दतेश्‍वर नाथ मंदिर जाय बला गौड़ी नाथ पथ के उद्घाटन कायल गेल। उद्घाटन समारोह के मुख्य अतिथि बिहार सरकार मे भूमि सुधार मंत्री मदन मोहन झा छलाह। अहि अवसर पर मदन मोहन झा कहलनि जे, अहि पथक निर्माणक बाद लोक के जाय-आबय मे काफी सहूलियत भेटतनि।

    ओ कहलनि बिहार सरकार सब ग्रामीण पथ के दुरूस्‍त करबाक लेल तत्‍पर अछि। सड़क के मरम्‍मती स ले कय निर्माण कार्य मे सरकारक दिस स  हर संभव प्रयास कायल जा रहल अछि। राज्‍य सरकार जन कल्‍याणक कार्य के करबाक लेल प्रतिबद्ध अछि। ओ कहलनि उद्घाटन समारोह के बाद हम दतेश्‍वर नाथ मंदिर गेलहु आ राज्यक तरक्कीक कामना कयलहुँ।