1500 अंग्रेजी शराबक बोतल लादल ट्रक जब्द

    0
    268

    गोपालगंज, मिथिला मिरर: गोपालगंज मे बिहार उत्पाद विभागक टीम के मंगलदिन बड़ पैघ सफलता हाथ लागल। यूपी-बिहार बॉर्डर के बलथरी चेकपोस्टक समीप एक ट्रक शराबक संग दू टा धंधेबाज के गिरफ्तार कायल गेल, ट्रक पर 125 पेटी लगभग 15 सौ बोतल शराब लोड छल।

    छापेमारी दलक नेतृत्व कय रहल जिला उत्पाद अधीक्षक प्रियरंजन बतौलनि जे, सूचनाक आधार पर विभागक छापेमारी टीम बोर्डर पर गश्त कय रहल छल। टीम के देखि बगल स एक ट्रक लय क चालक भागय लागल। ट्रक के रोकि कय जांच पड़ताल कायल गेल त अंग्रेजी शराबक पेटी भेटल।

    पकड़ल गेल ड्राइवर हरियाणाक झांझर गामक रणवीर सिंह तथा धंधेबाज दिवाकर देशपाल अछि। धंधेबाज स पूछताछ मे पता चलल कि शराब झांझर स लोड कय बिहारक मोतिहारी आनल जा रहल छल। ट्रकक मालिक झांझर के जैबिर सेहो प्राथमिकी दर्ज कायल गेल। फिलहाल ड्राइवर तथा धंधेबाज के न्यायिक हिरासत मे भेज देल गेल।