दिल्ली नगर निगम चुनावमे जदयू उम्मीदवारकें कतहु 7 त कतहु 13 वोट भेटल

    0
    354

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्ली नगर निगम चुनावमे जदयूकें करारी हारक सामना करए पड़ल अछि।जदयू दिल्लीमे 272 सीटमे 96 सीट पर अपन उम्मीदवार मैदानमे उतारने छल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स्वं दिल्लीमे रोड शो आ पैदल मार्च कय दिल्लीवासी सं वोट देबाक अपील केने छलाह।

    जानकारीकें अनुसार नगर निगम चुनावमे जदयूके उम्मीदवार बतौर पूजा सिंहकें सब सं अधिक 2857 वोट भेटल। पूजा सिंह ओम विहार वार्ड सं पार्टीक उम्मीदवार छली। जहनकि सब सं कम 7 वोट रोहिणीके उम्मीदवार सुजत हुसैनकें भेटल। पार्टीके ज्यादातर उम्मीदवारक जमानत जब्त भेल।

    नीतीश कुमार बुरारी, संगम विहार आ बदरपुर इलाकामे रोड शो आ पैदल मार्च केने छलाह। मुदा ओतहु पार्टीकें करारी हारक सामना करय पड़ल। संगम विहारमे पार्टीक उम्मीदवार राजकुमारीकें 2038 वोट भेटल, जहनकि बदरपुरके उम्मीदवार योगेशकें 13 वोट भेटल।