व्यवसायिक हत्या कांड के लय आय दरभंगा बंद

    0
    490

    दरभंगा, मिथिला मिरर: विगत 8 अगस्त क दरभंगा मे व्यापारीक हत्याकांड आ अपराध मे वृद्धि के लय क शनिदिन भाजपा कार्यकर्त्ता द्वारा दरभंगा बंद के आयोजन कायल जेल अछि। जानकारीक अनुसार शनिदिन भोरे स भाजपा कार्यकर्ता दरभंगाक बहुतो महत्वपूर्ण स्थान पर सड़क जाम कय विरोध प्रदर्शन शुरू केलक।

    दरभंगाक मिर्जापुर, लहेरियासराय, स्टेशन गुमती, विद्यावती चौक, महाविद्यालय इत्यादि मुख्य स्थान पर बंद के असर देखल गेल। अहि बंद के आयोजन मे मुख्य रुपे भाजपा कार्यकर्ता अर्जुन सहनी, रंजीत चैधरी, विकास मिश्र, मुरली झा, अविनाश झा इत्यादि लोक भाग लेलनि।