16 अगस्त क बिहार विधानसभाक विशेष सत्र मे पास कराओल जायत ‘जीएसटी’ बिल

    0
    502

    पटना, मिथिला मिरर: जीएसटी बिल पास करेबाक लेल बिहार विधानसभा मे 16 अगस्त क एक दिनक विशेष सत्र बजाओल गेल अछि। हाल-फ़िलहाल मे कोनो बिल के पास करेबाक लेल बिहार विधानसभा दिस स बजाओल गेल ई पहिल एकदिवसीय सत्र अछि। राज्यसभा मे जीएसटी बिल पास हेबाक बाद मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार केंद्रीय वित्‍त मंत्री अरुण जेटली के आश्‍वस्‍त देने छलाह जे, बिहार सरकार जल्‍द स जल्‍द अहि बिल के राज्‍य मे पारित करात।

    बिहार स पहिने असम बृहस्पति दिन जीएसटी संविधान संशोधन विधेयक के सर्वसम्मति स अनुमोदित केलक। अहि तरहे असम समुच्चा देश मे एक समान अप्रत्यक्ष कर व्यवस्था के प्रावधान बला जीएसटी विधेयक के पारित करय बला पहिल राज्य बनि गेल।

    असम के बाद बिहार विधानसभाक विशेष सत्र मे अहि बिल के पास करा कय विधेयक के पारित करय बला देशक दोसर राज्‍य बनि जायत।