ट्रेनसँ कटि क’ तीनटा युवकक मौत, ट्रैक पार करैत भेल हादसा

0
702

बेगुसराय, मिथिला मिरर : बिहारक बेगूसराय जिलामे 23 अगस्त वृहस्पतिदिन बेरुपहर ट्रेनसँ कटि तीनटा युवकक मौत भ’ गेल। बताओल जा रहल अछि जे तीनू रेलवे ट्रैक पार क’ रहल छलाह। एहि दौरान कामाख्या एक्सप्रेसक चपेटमे आबि तीनूक मौत भ’ गेलनि। हादसा बेगूसराय रेल थाना क्षेत्रक लखमिनियां स्टेशनक पूर्वी क्रॉसिंग लग भेल। घटनाक जानकारी भेटिते जीआरपी आ बेगूसराय थाना पुलिस मौका पर पहुँचल आ तीनू शवकेँ कब्ज़ामे लेलक। 2टा लाशक शिनाख्त भ’ गेल जाहिमे एकटा मृतकक पहचान राजकुमार आ दोसर अहमदक रूपमे भेल अछि। दूनू बलिया थाना क्षेत्रक मंसूरचक गामक निवासी छथि। तेसर शवक शिनाख्त नहि भेल अछि पुलिस तीनू  शवकेँ पोस्टमार्टम लेल पठा देलक आ घटना कोना भेल ओकर जाँच पड़ताल क’ रहल अछि।