समस्तीपुर मे गायत्री यज्ञ’क लेल भूमि-पूजनक आयोजन

    0
    277

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जिलाक माधोपुर पंचायतक गढ़ी-मोहनपुर मे तीन दिवसीय गायत्री यज्ञक लेल भूमि पूजन कायल गेल। हरिद्वार शांतिकुंज स आयल सुनील कुमार श्रीवास्तव व राकेश कुमार द्वारा वैदिक मंत्रोच्चार के संग विधिवत भूमि पूजन व हनुमत ध्वजारोहण कायल गेल। गायत्री माता के फोटो के समक्ष हवन कायल गेल। 27 जनवरी स 29 जनवरी तक गायत्री यज्ञक आयोजन कायल जायत।

    चौबीस कुंडीय अहि यज्ञ मे विभिन्न संस्कारक दीक्षा के अलावा योग व ध्यान पर विशेष कार्यक्रम कायल जायत। शांतिकुंज हरिद्वार सं आयल पुरोहित के अनुसार यज्ञ करबा सं प्रकृति व मनुष्यक बीच उत्पन्न होबय वला व्यवधान के ठीक कय संतुलन स्थापित कायल जायत अछि। मौका पर रामस्वरूप राय, पूर्व प्रमुख कमलकांत राय, मुखिया डा. सुरेंद्र कुमार राय, वीणा देवी, नवाबलाल राय, युगल राय, डा. विमल कुमार बाबुल, अशोक राय, सियाराम राय, राजेंद्र राय, रणवीर राय आदि उपस्थित छलाह।