सीबीएसइ बोर्डमे मैथिली भाषाकें शामिल करेबाक मांग

    0
    293

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मिथिला आ मैथिलीक विकासमे बाबा विद्यापतिकें अहम योगदानक फलस्वरूप आय हम मैथिलीक लेल किछु हद धरि सफलता हासिल कए सकलहु आ एखनहु बहुत किछु करब बांकी अछि। अहिकें पूरा करबाक लेल सबकें आगि एबाक जरूरत अछि। उक्त बात बिहार सरकारक पंचायती राज मंत्री कपिल देव कामत मैथिल समाज रहिकाके तत्वाधानमे आयोजित मिथिला विभूति स्मृति पर्व समारोहक दोसर दिन कार्यक्रमकें संबोधित करैत कहलनि।

    ओतहि बिहार सरकारक पूर्व मंत्री कांग्रेसके वरिष्ठ नेता, मुख्य अतिथि कृपानाथ पाठक अप्पन संबोधनमे कहलनि जे, मिथिला आ मैथिली विकासक क्षेत्रमे मैथिल समाज रहिकाक अहम भूमिका अछि। विशिष्ट अतिथिके रूपमे रिजनल सेकेंड्री स्कूलक निदेशक आरएस पांडेय कहलनि जे, मैथिलीक पढाई सीबीएसई बोर्डमे शुरू करबाक मांग बोर्ड सं हेबाक चाही।

    ओ कहलनि जे, मातृभाषाकें लेल ई उचित सम्मान होएत। अहि सं मैथिली और विकसित व विस्तारित होएत। अहि अवसर पर सब सम्मानित अतिथिकें संस्थाक अघ्यक्ष राजकुमार महासेठ व सचिव शीतलांबर झा पाग दोपटा सं सम्मानित केलनि।