मधुबनीक शिखा झाकें जबलपुरमे भेटल 8 गोट स्वर्ण पदक

    0
    755

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मिथिलांचलक गौरवमयी परंपराकें बरकरार राखैत शिखा झा अप्पन योग्यताक परचम फहराबैत जबलपुरकें ‘रानी दुर्गावती विश्वविद्यालयकें’ दीक्षान्त समारोहमे विभिन्न श्रेणिमे 8 गोट स्वर्ण पदक प्राप्त कय मिथिलाक गौरव बनि गेलीह।

    शिखा झा मूल रूप सं मधुबनी जिलाक झंझारपुर प्रखंडक रैयाम (सोइतपुरा) गाम निवासी विवेक झा’क पत्नी छथि।

    शिखा झाकें सब प्राप्त पदक बी.एस.सी. एवं एम.एस.सी. (गणित)मे सर्वोच्च अंक प्राप्त करबाक लेल भेटल अछि। वर्तमानमे शिखा झा स्वतंत्र रूप सं विभिन्न संस्थान, महाविद्यालमे गणित विषयके अध्यापन काजमे व्यस्त छथि। शिखा झा गणितकें सब सूत्रक (वर्ग एक सं बारहम) संकलन केलन्हि अछि।