45 वर्षीय महिला तारा देवी लापता, जं किनको भेटथि त सूचना दी

    0
    374

    दिल्ली,मिथिला मिरर-शिवेश झाः दिल्लीक श्याम विहारमे रहनिहाइर तारा देवी विगत 22 अगस्त 2016 कऽ दिल्लीक ककरौला मोड़ सं लापता भए गेलीह अछि, गुमशुदगीक 20 दिन बीत गेलाक बादो धरि तारा देवीक नहि त कोनो सुराग परिवारकें छन्हि आ नहि पुलिस एखन धरि अहि मैमलामे कोनो ठोस नतीजा धरि पहुंच सकल। दरअसल तारा देवीक दिल्ली नजफगढ स्थित साईं बाबा मंदिर सं द्वारका मोड़ अपन किछु परिचित सं भेंट करवाक लेल आएल छलीह मुदा ठेकाना भटकि जेवाक कारणें एखन धरि हुनकर कोनो तरहक सुराग नहि भेट रहलनि अछि।
    परिवारक सदस्यक मानी त तारा देवीकें किछु बरख पहिने माथमे चोट लागल रहनि जेकर बाद सं हुनकर मानसिक संतुलन किछु ठीक नहि चलि रहल छलनि मुदा पर्याप्त इलाजक कारणें आब ओ ओहि चोट सं लगभग ठीक भए गेल छलीह आ अपन सब कार्य स्वयं संपादित करैत छलथि। मुदा मानसिक स्थिति ठीक नहि रहवाक कारणें आ नव जगह पर भुतला जेवाक कारणें नहि त तारा देवीक कोनो अता-पता छन्हि आ नहि परिवारक लोक चैनक नींद सुइत रहला अछि।
    अहि संदर्भमे पीड़ित परिवार छावला थानामे केस सेहो दर्ज करवौलक आ दक्षिण पश्चिम जिलाक डीसीपी सं भेंट कए मदद करवाक आग्रह सेहो कैलनि। डीसीपी सं समुचित जवाब भेटलाक बादो धरि तारा देवीक गुमशुदगीमे पुलिस हाथ एखनो धरि खाली अछि। अहि केस कें छावला थानाक आईओ शंभू साह देख रहला अछि। शनिदिन मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा आईओ सं बातचीत कए मैमला कें गंभीरता सं निपटेवाक आग्रह कैलनि।
    तारा देवीक विषयमे
    नामः तारा देवी
    उम्रः 42 वर्ष
    पतिक नामः योगनाथ मिश्र
    पताः बी 73, गली संख्या 10/डी, श्याम विहार फेज-1, दिल्ली।
    देहक बनावटः देखवामे दुबर पातर छथि, गरदैन पर कटल केर निशान छन्हि। नील आ हरियर रंग साड़ी मे छथि। अहाँ सब सं आग्रह जे, जं किनको नजरि तारा देवी पर पड़य त 100 नंबर पर अथवा 8287390945 या 8588895850 पर सूचित करी। मिथिला मिरर सेहो अपने लोकनि सं विशेष आग्रह कए रहल अछि जे अहि विषयकें गंभीरता सं लैत परिवारकें मदद करी।