हथियार आ कारतूसक संग दू गोट अपराधी गिरफ्तार

    0
    272

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: मधेपुरा जिलाक फुलौतमे पुलिस सोमदिन एकटा देसी कट्टा सहित दू टा जिन्दा कारतूसक संग दू टा बदमाशकें गिरफ्तार केलक अछि। फुलौत ओपी अध्यक्ष राजेश कुमारकें अनुसार, संध्या गश्तीके दौरान गुप्त सूचना पर फुलौत पश्चिमी पंचायतक तिरासी टोला बरियारी धारकें समीप एकटा कारी रंगक मोटरसाइकिल पर सवार भए बाजार सं दू टा युवक गुजरि रहल छल। अहि दौरान पुलिसकें देखैत मोटरसाइकिल लय भागय लागल। मोटरसाइकिल सवारकेँ पुलिस खदेड़ कय पकड़ि लेलक। पुलिस तलाशीक दौरान मोटरसाइकिलके डिक्की सं एकटा देशी मासकेट आ जिन्दा कारतूस बरामद कएल गेल।

    ओपी अध्यक्ष राजेश कुमार कहलनि जे, गिरफ्तार अपराधी पप्पू सिंह आ निवास कुमारकें गिरफ्तार कएल गेल अछि। दुनू दियरामे अपराधक योजना तैयार कय रहल छल। डीएसपी अरुण कुमार दुबेकें अनुसार क्षेत्र पर पुलिसक नजरि बनल अछि। अपराधीके गिरफ्तारीक लेल लगातार अभियान चलाओल जा रहल अछि। मौका पर इंस्पेक्टर सुरेश राम, फुलौत ओपीध्यक्ष राजेश कुमार आदि उपस्थित छल।