छापामारी के दौरान सोफा आ दीवान सं निकलल करोड़ो रुपैया

    0
    346

    पटना, मिथिला मिरर: नीतीश सरकार मे बिहारक जनता भले गरीब हो, लेकिन एतय के अधिकारी गरीब नहि बल्कि मालामाल अछि। ताजा अपडेट के अनुसार विजिलेंस टीम एकटा धनकुबेर अधिकारीक खुलासा केलक अछि।

    आय स अधिक संपत्ति के मामला मे विजिलेंस ब्यूरो बुधदिन देर राति नवादा के जिला सहकारिता पदाधिकारी विक्रम कुमार झा के नवादा, पटना आ पूर्णिया स्थित चारि टा ठेकान पर छापेमारी केलक। छापेमारी के दौरान करोड़ोंक चल-अचल संपत्तिक खुलासा कायल गेल।

    सूत्रक अनुसार पूर्णिया स्थित झा के ससुराल स 1.25 करोड़ रुपए कैश बरामद कायल गेल। कहल जा रहल अछि जे, घूसक कमाई स अधिकारी सवा करोड़ रुपैया घर मे रखने छल। छापेमारी के दौरान करोड़ो के ज्वेलरी आ जमीन जायदादक खुलासा भेल। सूत्रक अनुसार घरक सोफा स लय कय दीवान पलंग तक मे नोटक बंडल नुकाओल छल।