बेस्ट एजुकेशनल एड्मिनिस्ट्रेटर ऑफ़ द इयर सं सम्मानित हेताह प्रो. साकेत

    0
    406

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशान्त झा: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति साकेत कुशवाहा के दु गोट प्रतिष्ठित सम्मान सं सम्मानित करबाक घोषणा कायल गेल अछि। कुशवाहा के एक गोट सम्मान ‘भारतीय विश्वविद्यालय परिसंघ’ आ दोसर सम्मान ‘सुलभ इंटरनेशनल’ द्वारा देल जायत।

    कुशवाहा  सम्मान 5 अक्टूबर क कोलकाता स्थित सिटी ऑडिटोरियम मे देल जायत तथा दोसर 17 सितम्बर क प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक जन्म दिवस समारोहक उपलक्ष्य मे दिल्ली मे आयोजित कार्यक्रम मे देल जायत।

    कुशवाहा के ई सम्मान विश्वविद्यालय मे ‘स्वच्छता का सामाज शास्त्र’ पढ़ाई के प्रारंभ करबाक लेल देल जा रहल अछि। सुलभ इंटरनेशनल आ विश्वविद्यालय परिसंघक अध्यक्ष प्रियरंजन द्विवेदीक हस्ताक्षर सं आमंत्रण पत्रक प्रति कुलपति के भेटलनि।