अखिल भारतीय मिथिला पार्टी द्वारा शोकसभा’क आयोजन

    0
    294

    दरभंगा, मिथिला मिरर: अखिल भारतीय मिथिला पार्टीकें केंद्रीय कार्यालयमे शनिदिन पार्टीकेँ पूर्व राष्ट्रीय महासचिव सदरे आलम खानकें मोन पारैत शोकसभाक आयोजन कएल गेल। सभामे उपस्थित पार्टीक कार्यकर्ता सहित बहुतो लोक पूर्व महासचिवक चित्र पर माल्यार्पित कए अप्पन विचार रखलनि।

    पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष शिलानाथ मिश्र कहलनि जे, हम मिथिलाक विकासक लेल मोन सं सक्रीय रहैत छी, आ अहि लेल पार्टीकें द्वारा पूर्ण ताकत सं समाजमे काज कायल जा रहल अछि। अहि अवसर पर संजय मिश्र कहलनि जे, सदरे आलम खानकें अहि शोकसभा सबकेँ संकल्प लेबाक चाही जे, सदरे आलम पार्टी द्वारा जाहि विकासक लेल संकल्पित छलाह ओकरा हम सब अवश्य पूरा करब। ओ कहलनि जे आबय वला समयमे पार्टी चुनाव लड़ि कए हुनक सपनाकेँ साकार करत।

    सभामे पार्टीकेँ राष्ट्रीय तथा प्रदेश पदाधिकारी समेत आगत अतिथि सदरे आलम खानकेँ मोन पारैत हुनका श्रधांजलि अर्पित केलनि।