भागलपुर मे आंगबाड़ी सहायिकाक संग बलात्कार, मामला दर्ज करबा सं मना केलक थानेदार

    0
    504
    दरअसल, शाहकुंड थाना क्षेत्र मे आंगबाड़ी सहायिका सेविकाक पति पर बलात्कारक आरोप लगेलक अछि। महिलाक आरोप अछि जे, जहन हम काजक दौराम बाथरूम गेलहु त सेविकाक पति जबरन हमरा संग बलात्कार केलक। बाद मे धमकी देलक जे, यदि ककरो सं ई बात कहबिहिन त पूरा परिवारक लोक के हत्या कय देबौ।

    ओतहि, महिला कहलक जे, आरोपी लगातार कह रहां था कि पुलिसक पास गेला पर उल्टे केस कय देत। महिला जहन पुलिसक पास शिकायत लय गेल त दरोगा रेपक शिकायत दर्ज करबा सं मना कय देलक। आरोपी व्यक्तिक खिलाफ छेड़छाड़ आ कपड़ा फाड़बाक मामला दर्ज करेबाक लेल कहलक।
    महिला जहन समझौताक लेल तैयार नहि भेल त पुलिस आरोपी के खिलाफ शिकायत दर्ज केलक अछि। संगहि महिलाक मेडिकल के लेल अस्पतला पठाओल गेल अछि। मौका पर मौजूद एएसआई अनुसार, हमरा ई जानकारी नहि अछि जे, कि भेलैक अछि। हम सिर्फ अस्पताल मे जांच करेबाक लेल आयल छी।