1. लोकसभा चुनावक अंतिम चरण केँ चुनाव प्रचार अभियान मे बिहार दौरा पर आयल कांग्रेसक पूर्व अध्यक्ष राहुल गांधी पाटलीपुत्र लोकसभा क्षेत्र केँ पालीगंज मे एकटा जनसभा केँ संबोधित करबाक क्रम मे बाल-बाल बचि गेलाह। जखन राहुल गांधी मंच पर छलाह तँ मंचक एकटा हिस्सा अचानक टूटि गेल जाहि केँ बाद अफरा-तफरीक माहौल बनि सकैत छल मुदा अपन समझदारी सँ ओहिठाम सँ इंडिया ब्लाॅकक प्रत्याशी मीसा भारती राहुल गांधी केँ हाथ पकड़ि स्थिति केँ नियंत्रन मे कयलनि।
2. मध्य प्रदेशक मुख्यमंत्री डाॅ. मोहन यादव अंतिम चरण केँ चुनाव प्रचार अभियानक तहत पटना साहिब आ पाटलिपुत्र लोकसभा क्षेत्रक प्रत्याशी रविशंकर प्रसाद आ राम कृपाल यादवक पक्ष मे वोट मंगवाक लेल पटना पहुँचल छलाह। मंच सँ अपन संबोधन मे डाॅ. यादव कहलनि जे मध्य प्रदेश सन राज्यक मुख्यमंत्री बना पार्टी गरीबक सम्मान कयलक अछि। लालू परिवार पर तंज कसैत मध्य प्रदेशक मुख्यमंत्री कहलनि जे ई परिवार राजनीति सिर्फ परिवारवादक लेल करैत अछि आ पार्टीक कोनो नमहर पद दोसर केँ नहि देबय चाहैत अछि।
3. पटनाक बीएन काॅलेज मे एकटा छात्र केँ पीट-पीटकऽ हत्या कऽ देल गेल। मृतक हर्ष वैशली जिलाक रहय बला बताओल जा रहल छथि। दू टा छात्र गुटक बीच भेल झगड़ा मे उक्त छात्र घायल भऽ गेल छलाह आ बाद मे इलाजक लेल हुनका पटना मेडिकल काॅलेज एवं अस्पताल लऽ जायल गेल मुदा ओहिठाम डाॅक्टर हुनका मृत घोषित कऽ देलक।
4. लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलासक) राष्ट्रीय अध्यक्ष चिराग पासवान कांग्रेसक पूर्व अध्यक्ष राहुल गांधीक पटना आगमन पर तंज कसैत कहला जे राहुल गांधी केँ बिहार आ बिहारी सँ कोनो लेना-देना नहि अछि। राहुल गांधी बस एहि लेल बिहार आयल छलाह ताकि लोक काल्हि हुनका ई नहि कहि सकैन जे जाहिठाम सँ देशक राजनीति तय होइत अछि राहुल ओहि बिहारक दौरा नहि कयलाह।
5. बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे राष्ट्रीय जनतांत्रिक गठबंधन अर्थात एनडीए एहि बेर 400 सँ अधिक सीट जीतत आ देश मे विकासक नव गाथा लिखत। बिहार सेहो ओहि विकासक साक्षी बनत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे भाजपाक संग हुनक संबंध बहुत पुरान रहल अछि, बीच मे किछु गड़बड़ी अवश्य भऽ गेल छलैक मुदा आब ओ समय खतम भऽ गेल आ भविष्य मे एहन कोनो गड़बड़ी नहि हैत। मुख्यमंत्री कलहनि जे हमर सरकार 8 लाख युवा केँ नौकरी देलक अछि आ विधानसभा चुनाव सँ पूर्व आओर नौकरी देल जायत।
6. बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी देशक पूर्व उपप्रधानमंत्री आ भाजपाक वयोवृद्ध नेता लाल कृष्ण आडवानी केँ पाकिस्तानी कहलनि। राबड़ी देवी कहलनि जे भारत-पाकिस्तान बंटवारक समय लाल कृष्ण आडवानी पाकिस्तान सँ आबि भारत मे बसल छलाह। संगहि पूर्व मुख्यमंत्री इहो दाबा कयलनि जे एहि चुनाव मे इंडिया गठबंधनक सरकार बनि रहल अछि।
7. कांग्रेस पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड्गे कहलनि जे इंडिया गठबंधन सँ अलग हेबा पर बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केँ बहुत पछताय पड़तनि। बिहार दौरा पर आयल कांग्रेस अध्यक्ष पटना मे कहला जे विपक्षी पार्टी दिस सँ देशक जनता चुनाव लड़ि रहल अछि आ एहि बेरक चुनाव मे सत्ताधारी दल केँ पराजित होमय पड़तैक।
8. बिहारक उपमुख्यमंत्री आ भजपाक प्रदेश अध्यक्ष सम्राट चैधरी विपक्षी गठबंधन पर हमलावर नजरि अयलाह। सम्राट चैधरी कहलनि जे जाहि तरहेँ लालू परिवार हल्ला मचा रहल अछि ओहि सँ ई स्पष्ट अछि जे ई लोकनि भ्रष्टाचार मे लिप्त छथि। राहुल गांधीक पटना आगमन पर तंज कसैत सम्राट चौधरी कहलनि जे भ्रष्टाचारक सरदार केँ पटना दौरा सँ कोनो फायदा गठबंधन केँ नहि होयबला अछि।
9. भीषण गर्मी आ उसम सँ संपूर्ण मिथिला क्षेत्रक लोक पेरशान तँ छथिए आ ओहि मे दिन मे लगातार भऽ रहल बिजलीक कटौती सँ ई परेशानी आओर बेसी बढ़ि रहल अछि। एक दिस भयंकर गर्मी आ दोसर दिस वाटर लेवलक कमी आम लोकक लेल चिंताक विषय बनल जा रहल अछि। जँ जल्दिए बरखा नहि हैत तँ आबै बला दिन मे ई एकटा मुसिबतक रूप लऽ लेत।
10. चक्रवाती तूफान रेमल’क असर बिहार मे सेहो देखना जा रहल अछि। एहि चक्रवाती तूफान केँ ध्यान मे राखैत पटना सँ कोलकाताक बीच हवाइ सेवा केँ अस्थगित कऽ देल गेल। रेमल तूफानक असर बिहारक विभिन्न जगह पर देखना जा रहल अछि। कतेकोठाम बारिश आ मेघ लागल अछि तँ तूफानक बाद पछवा हवा चलबाक कारणेँ मिथिला क्षेत्रक किछु जिला मे अत्यधिक गर्मीक सेहो अनुमान मौसम विभाग द्वारा जारी कयल गेल अछि।