इंडिया ब्लाॅक मे टिकट पर माथापच्चीक बीच होली मनेबाक लेल सपरिवार तेजस्वी दिल्ली रवाना

0
58

मिथिला मिरर-पटनाः लोकसभा चुनाव 2024 केर तारीखक घोषणा चुनाव आयोग द्वारा कऽ देल गेल अछि आ दोसर दिस एनडीएक घटक दल भाजपा आ जदयू द्वारा अपन सीटक घोषणा कऽ देल गेल। हम दिस सँ जीतन राम मांझी आ रालोमक अध्यक्ष उपेन्द्र कुशवाहा काराकाट सँ अपन उम्मीदवारी पहिने सँ घोषित कऽ चुकल छथि। होलीक बाद चिराग पासवान सेहो अपन पार्टीक पांच गोट सीट पर उम्मीदवार घोषित करताह। हालांकि चिराग स्वयं हाजीपुर सीट सँ स्वयं केँ दाबेदारी पहिने सँ घोषित कऽ चुकल छथि।
एनडीए गठबंधन चुनाव लड़बाक तैयारी मे पूर्ण रूपेँ तैयार नजरि आबि रहल अछि तँ दोसर दिस एक साल पहिने सँ इंडिया ब्लाॅक बनेबाक विपक्षी टीमक तैयारी सत्यानाश होइत नजरि आबि रहल अछि। राष्ट्रीय जनता दलक अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव लगातार अलग-अलग सीट पर अपन उम्मीदवारक घोषणा कऽ रहल छथि। खास बात ई जे एहि बेरक लोकसभा चुनाव मे लालू प्रसाद यादवक दू गोट बेटी मीसा भारती आ रोहिणी आचार्या दुनू चुनाव मैदान मे छथि। मुंगेर सीट पर पहिने सँ लालू यादव माफिया डाॅन अशोक यादवक नवविवाहिता पत्नी केँ टिकट दऽ चुकलाह। बेगूसराय सीट जाहिठाम कांग्रेस अपन उम्मीदवारी देबाक लेल तैयारी कऽ रहल छल जतय राजद अपन उम्मीदवारक घोषणा बिना कांग्रेसक सहमति सँ कऽ देलक। एक दिस टिकटक बंटवारा एखन धरि नहि भऽ सकल तँ दोसर दिस कांग्रेस ई नहि समझि पाबि रहल अछि जे ओकरा की करबाक चाही।
जाहि तरहेँ लालू प्रसाद यादव आ तेजस्वी यादव एहि चुनाव केँ लड़ि रहल छथि ओहि सँ ई बात स्पष्ट भऽ रहल अछि जे ओ कोनो दबाव मे छथि। खास कऽ झारखंडक पूर्व मुख्यमंत्री हेमंत सोरेन आ दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवालक गिरफ्तारी इडी द्वारा कयल गेल ओकरा बाद राजनीतिक पंडित सभ ई कहय लगलाह अछि जे लालू परिवार आब फूंकि-फूंकि कऽ डेग उठा रहलाह अछि अथवा पार्टी ई सोचि रक्षात्मक मुद्रा मे आबि गेल जे लोकसभा चुनावक परिणाम चाहे जे हो हमसभ आब विधानसभा चुनावक तैयारी मे लागि जायब। हालांकि हमसभ उत्तर प्रदेश मे देखि चुकल छी जे मायावती कोन तरहेँ रक्षात्मक भऽ गेलीह आ ममता बनर्जीक भातीज अभिषेक बनर्जी केँ कोना राहत भेटलनि इहो अपना-आप मे शोधक विषय अछि। एहि तमाम गुणा-भाग आ चुनावी गणितक बीच मे लालू परिवार होली मनेबाक लेल दिल्ली रवाना भऽ गेल जतय ओ अपन पोती कात्यायनीक प्रथम जन्मदिन सेहो मनाओत। आब ई देखब दिलचस्प हैत कि आखिर बिहार मे इंडी गठबंधनक टिकट पर निर्णय कहिया आओत?