भाजपा कयलक बिहारक उम्मीदवारक घोषणा, के रहलाह आ किनकर कटलनि टिकट ?

0
35

मिथिला मिरर-पटनाः भारतीय जनता पार्टी आगामी लोकसभा चुनाव 2024 लेल बिहारक 17 सीट पर अपन उम्मीदवारक घोषणा कऽ देलक। सभ सँ खास बात ई रहल जे केन्द्रीय राज्य मंत्री आ बक्सर सँ सांसद अश्विनी कुमार चौबेक टिकट काटि देल गेलनि। एतबे नहि मुजफ्फरपुर सँ 4 लाख सँ अधिक मत सँ विजय प्राप्त कयनिहार सांसद अजय निषाद आ सासाराम सँ पार्टीक सांसद रहल छेदी पासवानक टिकट सेहो काटि देल गेलनि। पार्टी बक्सर सँ मिथिलेश तिवारी केँ अपन उम्मीदवार बनौलक जखन कि मुजफ्फरपुर सीट सँ राज भूषण निषाद पार्टी हेताह। सासाराम सुरक्षित सीट पर पार्टी पूर्व विधायक शिवेश राम केँ उम्मीदवार बनौलक अछि।
लोक जनशक्ति पार्टीक खाता मे पैछला बेर रहल नवादा सीट एहि बेर भारतीय जनता पार्टी अपना लग रखलक आ ओहिठाम सँ राज्य सभा सांसद विवके ठाकुर केँ पार्टी अपन उम्मीदवार बनेलक अछि। शिवहर सीट जदयू केँ खाता मे जयबाक कारणेँ पार्टीक सांसद रहल रमा देवी पहिने बेटिकट भऽ चुकल छलीह। एहि टिकट बंटवाराक घोषणा पार्टीक केन्द्रीय कार्यालय दिल्ली सँ पार्टीक राष्ट्रीय सचिव सह कार्यालय प्रमुख अरूण सिंह द्वारा घोषित कयल गेल।
भारतीय जनता पार्टीक घोषित सभ उम्मीदवारक नाम आ लोकसभा क्षेत्रः
पश्चिम चंपारण – संजय जयसवाल
पूर्वी चंपारण – राधा मोहन सिंह
अररिया – प्रदीप कुमार सिंह
औरंगाबाद – सुशील कुमार सिंह
मधुबनी – डाॅ. अशोक कुमार यादव
दरभंगा – डाॅ. गोपाल जी ठाकुर
मुजफ्फरपुर – राज भूषण निषाद
महाराजगंज – जनार्दन सिंह सिग्रिवाल
सारण – राजीव प्रताप रूडी
उजियारपुर – नित्यानंद राय
नवादा – विवेक ठाकुर
बेगूसराय – गिरिराज सिंह
पटना साहिब – रविशंकर प्रसाद
पाटलिपुत्र – रामकृपाल यादव
आरा – राज कुमार सिंह
बक्सर – मिथिलेश तिवारी
सासाराम – शिवेश राम