जदयू कोटाक सोलहो उम्मीदवारक घोषणा, लवली, विजयलक्षी, देवेश आ मुजाहिदक पार्टी मे पदार्पण

0
30

मिथिला मिरर, पटनाः जनता दल (युनाइटेड) शनिदिन लोकसभा चुनाव 2024 केर लेल बिहार सँ अपना कोटाक सोलहो उम्मीदवारक घोषणा कऽ देलक। पार्टी चारि गोट नव चेहरा केँ चुनाव मे उतारलक अछि जाहि मे शिवहर सीट सँ पूर्व सांसद लवली आंनद, सिवान सीट सँ विजय लक्ष्मी, सीतामढ़ी सँ विधान परिषदक सभापति देवेश चन्द्र ठाकुर आ किशनगंज सँ मुजाहिद आलम केँ अपन उम्मीदवार बनौलक अछि। पार्टी जाहि निवर्तमान सांसदक टिकट कटलक ओहि मे सीतामढ़ी सँ सुनील कुमार पिंटू आ सिवान सीट सँ कविता सिंहक टिकट कटलक अछि।
आउ देखैत छी जे नीतीश कुमार कोन-कोन चेहरा पर भरोसा कयलनि अछि –
जहानाबाद – चंदे्रश्वर चंद्रवंशी
नालंदा – कौशलेन्द्र कुमार
मुंगेर – ललन सिंह
भागलपुर – अजय कुमार मंडल
बांका – गिरधारी यादव
गोपालगंज (सु.) – डाॅ. आलोक सुमन
झंझारपुर – रामप्रीत मंडल
कटिहार – दुलालचंद गोस्वामी
सुपौल – दिलेश्वर कामैत
मधेपुरा – दिनेशचंद्र यादव
पूर्णिया – संतोष कुशवाहा
वाल्मीकिनगर – सुनील कुमार
शिवहर – लवली आनंद
सीतामढ़ी – देवेश चंद्र ठाकुर
सिवान – विजयलक्ष्मी
किशनगंज – मुजाहिद आलम
अपने केँ बता दी जे बिहार मे वर्तमान मे एनडीएक जे स्वरूप अछि ओहि मे टिकटक जे बंटवारा भेल ओ एहि प्रकारेण अछि भाजपा-17, जदयू-16, लोजपा (रा.)-5, हम-1, रालोम-1 सीट पर समझौता कयलक अछि।