चुनाव सँ पहिने कांग्रेस केँ झटका, विधायक पूर्णिमा यादव जदयू मे हेतीह शामिल

0
1193

पटना,एमएम : बिहार में होई वला आगामी चुनाव कें ल’ गहमागहमी बढ़ल जा रहल अछि। हरेक राजनीतिक दल में तोड़-फोड़ भ’ रहल। दल बदल केँ खेल बदस्तूर जारी अछि। सभ नेता अपन-अपन सीट सुरक्षित करबाक जुगाड़ में दल बदल क’ रहल छथि। अखनि धरि सभसँ बेसी राजद सँ निकल दोसर दल में शामिल भेलाह अछि। जदयू छोड़ी क’ सेहो कुछ लोक आन दल में शामिल भेलाह। भला एही नेक काज में कांग्रेस किएक पाछू रहत।

चुनाव सँ पहिने कांग्रेस केँ सेहो झटका लागी सकैत अछि। जँ कांग्रेस सूत्र केँ मानी त’  बिहार के गोबिंदपुर सँ कांग्रेस कें विधायक पूर्णिमा यादव जदयू केँ सदस्यता ल’ लेतीह। हुनक विधायक प्रतिनिधि आ जिला पार्षद नारायण स्वामी मोहन सेहो एही बातक पुष्टि कएलनि। कार्यक्रम केँ मुताबिक पूर्णिमा यादव जदयू  प्रदेश कार्यालय में पार्टी की सदस्यता लेतीह। हालांकि हुनका लेल इ घर वापसी जेहन छनि। बतादी जे पूर्व में ओ नवादा सीट सँ जदयू सँ विधायक छलीह।

पूर्णिमा यादव नवादा सँ जदयू विधायक कौशल यादव के धर्मपत्नी छथिन। 2015 में कौशल यादव पूर्णिमा कें कांग्रेस सँ टिकट दियौने छलाह। महागठबंधन सँ कांग्रेस उम्मीदवारक रूप में गोविंदपुर सीट सँ जीत हासिल केने छलीह।