शनिदिन सँ चलत 80टा आओर नव स्पेशल ट्रेन, आरक्षण शुरु, देखू पूरा लिस्ट

0
2333

पटना,एमएम : भारत अखन कोरोना काल सं गुजरि रहल अछि। एहन में 24 मार्च सँ यातायात सेवा सेहो लगभग बंद पडल छल। स्थिति अनुसार एही में ढील देल गेल आ 220टा विशेष ट्रेन चलाओल गेल। आब चुकी देश में अनलॉक 4 शुरू भ’ चुकल अछि और देश में आर्थिक गतिविधि के धीरे-धीरे खोलल जा रहल अछि। एहन में रेलवे सेहो फैसला लेलक अछि जे किछु आओर ट्रेन केँ खोलल जाए ताकि यात्रा में भ’ रहल दिक्कत केँ कनि कम कएल जाए। अगिला महिना सँ पाबनि-तिहारक समय शरू भ’ जायत एहन में परदेशी लोकनि केँ यात्रा में दिक्कत नै होइन एही वास्ते 80टा नव ट्रेन चलेबाक फैसला लेलक अछि। लोकक सुविधा केँ ध्यान में रखैत रेलवे 12 सितंबर सँ 80टा  आओर स्पेशल ट्रेन चलाओत। जाहि में किछु ट्रेन बिहार आ झारखंड वास्ते सेहो चलाओल गेल अछि। पूर्व मध्य रेलवे केँ अनुसार आठटा ट्रेन बिहार सँ चलत आ 12टा ट्रेन बिहारक कुछु स्टेशन सँ भ’ क’ दोसर प्रांत लेल चलत। एही ट्रेन सभक आरक्षण 10 सितंबर सँ चालु भ’ चुकल अछि।

रेलवे बोर्डक अध्यक्ष वी के यादव जनतब देलनि अछि जे 12 सितंबर सँ 80टा नव विशेष ट्रेन चलत। इस सभ ट्रेन पहिने सँ चलि रहल 230 ट्रेनक अलावे अछि। रेलवे बोर्डक अध्यक्ष कहलनि जे रेलवे वर्तमान में संचालित सभ ट्रेनक निगरानी करत आ पता लगाओत जे कोन ट्रेन में कतेक प्रतीक्षा सूची बेसी अछि। तदनुसार क्लोन ट्रेन चलेबा पर विचार कएल जायत।

बिहार सँ चलै वला विशेष ट्रेनक सूची एही प्रकार अछि-

02561/02562 जयनगर-नई दिल्ली-जयनगर स्पेशल

07007/07008 सिकंदराबाद-दरभंगा-सिकंदराबाद स्पेशल

09051/09052 वलसाड-मुजफ्फरपुर-वलसाड स्पेशल

03307/03308 धनबाद-फिरोजपुर-धनबाद स्पेशल

एही केँ अतरिक्त इहो ट्रेन चलाओल जा रहल अछि

02367/02368 भागलपुर-दिल्ली-भागलपुर स्पेशल

02465/02466 मधुपुर-दिल्ली-मधुपुर स्पेशल

05933/05934 डिब्रूगढ़-अमृतसर-डिब्रूगढ़ स्पेशल

05909/05910 डिब्रूगढ़-लालगढ़-डिब्रूगढ़ स्पेशल

05626/05625 अगरतला-देवघर-अगरतला स्पेशल

02911/02912 इंदौर-हावड़ा-इंदौर स्पेशल

रेलवे अधिकारी के मुताबिक समय समय पर सरकार द्वारा जारी गाइडलाइन केँ मुताबिक रेल सुविधा में सेहो बढ़ोतरी कएल जायत।