पप्पू यादव केँ दू टूक- प्रधानमंत्री मोदी आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार छथि किसान विरोधी, जाप करत राज्य भरि मे विरोध प्रदर्शन

0
447

पटना, मिथिला मिरर :  बिहार मे चुनाव केँ मद्देनजर चुनावी सरगर्मी तेज भ’ चुकल अछि। भला चुनावी मौसम मे कोनो राजनीतिक दल चुनावी दांव-पेँच कोना छोड़ी सकैत अछि। लगभग हरेक दल चुनावी मैदान मे उतरि चुकल अछि। एहन मे जाप कोना पाछु रहत। जन अधिकार पार्टीक अध्यक्ष पप्पू यादव सेहो चुनावी अभियान तेज क’ देलनि अछि। पप्पू यादव लगातार क्षेत्र मे भ्रमण क’ रहलाह अछि। शनिदिन पटना मे पत्रकार सभके संबोधित करैत पप्पू यादव प्रधानमंत्री मोदी आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर जमि क’ हमला कएलनि। तीन दिन पूर्व संसद सँ पास भेल कृषि विधेयक केँ विरोध कहलनि जे ई अध्यादेश किसान विरोधी अछि। कॉर्पोरेट केँ हाथे देश केँ बेचबाक तैयारी अछि। किसान केँ एहि विधेयक सँ गुलाम बनेबाक तैयारी नरेन्द्र मोदीक सरकार क’ रहल अछि। मुट्ठी भरि व्यापारी केँ चंगुल मे सभ किसान केँ झोकी रहल अछि। किसान केँ भेटि रहल न्यूनतम समर्थन मूल्य संग खिलवाड़ कएल जा रहल अछि। एतबे नहि सरकार किसान के आत्महत्या करबा पर मजबूर क’ रहल अछि। हमर सरकार बनत त’ एहि अध्यादेश केँ बिहार मे लागू नहि कएल जायत। एहि केँ विरोध मे जाप 20 सँ 27 सितंबर धरि हरेक जिला मुख्यालय पर विरोध प्रदर्शन, पुतला दहन करत आ 27 सितंबर केँ बिहार बंद करत।

ओतहि नीतीश कुमार केँ जुमला कुमार संबोधित करैत कहलनि जे साढ़े चारि साल नीतीश जनता केँ मारय यै, लाठीचार्ज कराबैत अछि। अंतिम समय मे शिलान्यास क’ जनता केँ ठकबाक काज करैत अछि। मुख्यमंत्री केँ चुनौती दैत पूछलनि जे पैछला जतेक वादा केने छलहूँ ओही मे कतेक पूर्ण भेल एहि पर श्वेत पत्र जारी करू। तखन दूध केँ दूध आ पानि केँ पानि साबित भ’ जायत। नीतीश कुमार केँ मनोरंजनक साधन बतबैत कहलाह जे अखनि शिलान्यासक नाम पर नाटक क’ रहल छथि। दरअसल नीतीश कुमार घोर जातिवादक समर्थक आ किसान विरोधी छथि। हुनका बिहारक विकास नहि नालंदा केँ विकास मात्र ध्यान रहैत छनि।

जन अधिकार पार्टीक अध्यक्ष लोकक सभसँ अपील कएलनि अछि जे आगामी चुनाव मे जाति, धर्म सँ ऊपर उठी मात्र बिहारी बनि बिहारक विकास वास्ते मतदान करू आ बिहार केँ एकटा नीक प्रशासक दियौ। संगे वादा कएलाह जे हुनक शासन मे 2 साल के भीतर दंगा आ जातिय उन्माद, अपराध पूर्ण तरहें खत्म क’ देल जायत। बिहार केँ प्रगति के रस्ता पर ल’ जायब आ एशिया में बिहारक नाम स्थापित क’ देब अन्यथा राजनीति सँ संयास ल’ लेब। प्रेसवार्ता केँ बाद मिलन सामरोह सेहो छल जाहि मे दर्जनों कार्यकर्ता जाप केँ सदस्यता सेहो लेलनि।