वामदल आ राजद मे सीट बँटवारा पर बनल सहमति, औपचारिक घोषणा जल्द

0
914

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे सियासी पारा चढ़ल जा रहल अछि। एहन मे महागठबंधन मे सीट बँटवारा केँ ल’ घमासान मचल अछि। एक दिस जहाँ रालोसपा आ वीआईपी राजद केँ आँखी देखा रहल अछि त’ दोसर दिस वामदल सहयोग करबा लेल तैयार अछि। महागठबंधन मे मचल घमासानक बीच एकटा राहत केँ खबरि अछि। खबरि अछि जे सीपीआइ आ सीपीएम संग राजद केँ सीट साझेदारी केँ ल’ फसल पेच आब सुलझी गेल अछि।  सीट बँटवारा केँ ल’  अनौपचारिक सहमति बनि गेल आ आब मात्र औपचारिक घोषणा बाकी रहि गेल अछि। सीपीआइ आ सीपीएम केँ संयुक्त प्रतिनिधि मंडल संग राजदक नेता सभ संग चलल दू घंटाक बैसार केँ बाद दुनू पक्षक बीच सहमति बनल आ दुनू पक्ष स्वीकार सेहो कएलक जे चुनाव मे वामदल राजदक नेतृत्व मे महागठबंधन संग चुनाव लड़त।

जनतब दी जे एहि बैसार मे राजद दिस सँ मुख्य वार्ताकार प्रदेश अध्यक्ष जगदानंद सिंह, विधायक भोला यादव आ प्रवक्ता मृत्युंजय तिवारी मौजूद छलाह। ओतहि सीपीआइ आ  सीपीएम प्रतिनिधि मंडल मे सीपीआइ केँ तरफ सँ रामनरेश पांडेय, अवधेश राय, राम बाबू, विजय कुमार आओर सीपीएम दिस सँ अवधेश कुमार, अरुण कुमार एवं रामपरी देवी शामिल छलिह।

सीट साझेदारी केँ ल’ भेल बैसार मे तय भेल जे वाम दल मे माले केँ बेसी सीट देल जायत आ बाकि वामदल हुनक सहयोग करताह। बतादी जे माले पहिने से राजदक संग छल। करीब दू घंटा चलल बैसार मे अंतिम निर्णय धरि बात पहुँच गेल जाहि सँ राजद राहत केँ साँस ल’ रहल अछि। बता दी जे दू दिन पहिने वाम दल सेहो राजद पर आँखी तरेरने छल।