महागठबंधन मे घमासान,तेजस्वी केँ बढ़ल मुश्किल! कुशवाहा केँ चाही मुख्यमंत्री पद, त’ सहनी बनताह डिप्टी सीएम

0
1336

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी रंग देखना जा रहल अछि। चुनाव सँ पहिने महागठबंधन मे बिखरावक दौर जारी है। पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी केँ बाद घटक दल रालोसपा सेहो अलग हेबाक कगार पर अछि। एही बीच खबरि अछि जे महागठबंधन सँ कुशवाहा केँ मोह भंग भ’ चुकल छनि आ वृहस्पतिदिन बैसारक बाद किछु पैघ घोषणा क’ सकैत छथि। सीट बँटवारा केँ ल’ कांग्रेस आ राजद दुनू मिल अन्य घटक दल केँ कोना भाव नहि द’ रहल अछि। बतादी जे कतेको बेर कुशवाहा दिल्ली केँ सेहो चक्कर काटी चुकल छथि। मुदा अनदेखी कएल जा रहल छल।

एहि बीच बिहारक सियासी गलियारा सँ एकटा पैघ खबरि भेट रहल अछि जे रालोसपा आ वीआईपी दुनू पार्टी केँ तेजस्वी यादव केँ मुख्यमंत्रीक चेहरा बनाबै पर आपत्ति अछि। रालोसपा प्रवक्ता धीरज कुशवाहा केँ मुताबिक तेजस्वी राजद केँ प्रत्याशी भ’ सकैत छथि महागठबंधन केँ नहि। महागठबंधन लेल उपेन्द्र कुशवाहा सुयोग्य उम्मीदवार छथि, लंबा राजनीतिक अनुभव छनि आ बिहार लेल हुनक त्याग किनको सँ छुपल नहि अछि।

दोसर दिस विकासशील इंसान पार्टी यानि वीआईपी सेहो अपन दावेदारी डिप्टी सीएम पद लेल ठोकी देलक अछि। पार्टीक राष्ट्रीय प्रवक्ता राजीव मिश्रा कहलनि अछि जे महागठबंधन मे मुकेश सहनी केँ उपमुख्यमंत्रीक चेहरा घोषित कएल जेबाक चाही। महागठबंधन मे नेतृत्वक कोनो अभाव नहि अछि। राज्यक 12 करोड़ जनताक माँग अछि जे एहिबेर उपमुख्यमंत्री केँ तौर पर प्रोजेक्ट कएल जाय। युवा नेता छथि आ बिहारक प्रति एहि सँ बेसी समर्पित नेता नहि भ’ सकैत अछि।

एम्हर राजद विधायक आ पार्टीक नेता भाई वीरेंद्र एहि मामला पर कहलनि अछि जे घटक दलक माँग पर कोनो विचार नहि कएल जायत। मुख्यमंत्रीक चेहरा तेजस्वी रहताह। कांग्रेस सेहो हुनका नाम पर मोहर लगा चुकल अछि। तें एहि पर कोनो सुनवाई नहि होयत।आब देखबाक बात ई अछि जे दुनु पार्टीक अगिला कदम की होइत अछि। की महागठबंधनक हिस्सा बनल रहत वा छोड़ी कोनो अन्य गठबंधन मे शामिल होयत।